मिथिला सांस्कृतिक परिषद्, बोकारो द्वारा मणिपद्म स्मृति जयंती पर भव्य मैथिली कवि सम्मेलन आयोजित - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शुक्रवार, 27 सितंबर 2019

मिथिला सांस्कृतिक परिषद्, बोकारो द्वारा मणिपद्म स्मृति जयंती पर भव्य मैथिली कवि सम्मेलन आयोजित


झारखंड(बोकारो): बोकारो मे मैथिली भाषा-भाषीसभक प्रतिष्ठित संस्था मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा साहित्य अकादेमी पुरस्कार से सम्मानित मैथिली भाषा के प्रसिद्ध साहित्यकार डाॅ ब्रज किशोर वर्मा ‘मणिपद्म’ स्मृति जयंती समारोह सह मैथिली कवि सम्मेलनक भव्य आयोजन शनिदिन (21 सितंबर 2019) क साँझ मे सेक्टर 4 ई स्थित परिषद् द्वारा संचालित मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूल परिसर मे भेल। एहि कवि सम्मेलन मे साहित्य अकादेमी पुरस्कार सँ सम्मानित वरिष्ठ साहित्यकार डाॅ शेफालिका वर्मा (दिल्ली), डाॅ जय प्रकाश चैधरी ‘जनक’, मणिकान्त झा (दरभंगा), सिया राम झा ‘सरस’ (रांची), कुमार मनीष अरविन्द (पटना), शिव कुमार झा ‘टिल्लू’ (जमशेदपुर) व सुधीर कुमार झा (कोलकाता) विभिन्न रसक कविता सुनाकऽ देर राति धरि श्रोतासभकें आनंदित कयलनि।

कार्यक्रमक उद्घाटन मुख्य अतिथि चास नगर निगम के अपर नगर आयुक्त शशि प्रकाश झा, हुनक धर्मपत्नी श्रीमती मीनाक्षी पाठक, आमंत्रित कविगण, मिथिला सांस्कृतिक परिषद्क अध्यक्ष कुमुद कुमार ठाकुर, महासचिव राजेंद्र कुमार, सांस्कृतिक कार्यक्रम निदेशक अरुण पाठक, मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूलक अध्यक्ष प्रभात कुमार झा, सचिव रविन्द्र झा आदि दीप प्रज्ज्वलित कऽ तथा मणिपद्मक तस्वीर पर माल्यार्पण व पुष्पार्चन कऽ केलनि। स्वागत भाषण परिषद्क अध्यक्ष के के ठाकुर कयलनि। मुख्य अतिथि श्री झा अपन संबोधन मे मणिपद्म जयंती के उपलक्ष्य मे आयोजित एहि भव्य आयोजनक प्रशंसा कयलनि। ओ मिथिला संस्कृतिक विशिष्ट पहिचान खान-पान आ’ ठहाका लगाकऽ हंसब कंे अनुपम बतबैत सभ सँ एहि संस्कृति कंे आगू सेहो लऽ जयबाक आग्रह कयलनि।

परिषद्क पूर्व महासचिव हरि मोहन झा मणिपद्म के बहुआयामी रचनाकार के रूप मे याद करैत साहित्य अकादेमी पुरस्कार प्राप्त हुनक कृति ‘नैका बंजारा’ (उपन्यास) के विशेषरुप सँ चर्चा कयलनि। महासचिव राजेन्द्र कुमार कहलनि जे परिषद् द्वारा वर्ष 2018 सँ मणिपद्म स्मृति जयंती के उपलक्ष्य मे राष्ट्रीय स्तर के कवि सम्मेलनक आयोजन कएल जा रहल अछि। एहि अवसर पर परिषद्क दिस सँ मुख्य अतिथि व आमंत्रित कविसभकें शाॅल भेंटकऽ सम्मानित कएल गेल। अरुण पाठक महाकवि विद्यापति रचित भगवती वंदना ‘जय-जय भैरवि असुर भयाउनि...’ के संगहि स्वागत गीत व विद्यापति के किछु गीतक सुमधुर प्रस्तुति कयलनि। तबला पर धीरज तिवारी व हारमोनियम पर विश्वनाथ गोस्वामी नीक संगति कयलनि। उद्घाटन सत्रक मंच संचालन परिषद्क पूर्व सांस्कृतिक कार्यक्रम निदेशक शंभु झा कयलनि।

उद्घाटन सत्रक बाद प्रख्यात वरिष्ठ हास्य कवि डाॅ जय प्रकाश चैधरी ‘जनक’ केर अध्यक्षता व प्रसिद्ध कवि-गीतकार शिव कुमार झा ‘टिल्लू’ के संचालन मे आयोजित राष्ट्रीय स्तर के एहि कवि सम्मेलनक शुरुआत सुप्रसिद्ध साहित्यकार डाॅ शेफालिका वर्मा के काव्यपाठ सँ भेल। ओ मानवीय संवेदना सँ ओत-प्रोत हुनक कवितासभ खूब सराहल गेल। चंद पंाति देखू-‘ओस अश्रु अछि प्रिय हमरा, स्नेह सं बनल ई दुनियां, स्नेह सं बनल ई संसार...’। भारतीय वन सेवा के वरिष्ठ अधिकारी व साहित्यकार कुमार मनीष अरविन्द अपन ‘नाॅट रिकोमेंडेड’ शीर्ष कविता मे प्रकृति कंे सभसँ पैघ भगवान मानैत पर्यावरण के नोकसान पहुँचाबवला गतिविधिसभक खिलाफ सभकें सचेत कयलनि। भारत निर्वाचन आयोग के आईकान आ’ कवि-गीतकार मणिकान्त झा सरस्वती वंदना ‘हे हंसवाहिनी हेरियौ, हमरा हृदय हमर हहरैए हे...’ व गीत ‘बाबू के दुलारु अहां बड़का भैया रे...’, युवा कवि सुधाीर कुमार झा चंद्रयान-2 पर कविता ‘नपा गेल अछि चान, आब होई मंगल लेल तैयार’ आ’ डायबिटीज पर एकटा कविता, शिव कुमार झा विधवा नारीक व्यथा पर ‘अस्तित्वक प्रश्न’ शीर्षक कविता मे ‘ककरा सँ कहबै के पतिएतै अपने तरंग मे भीजलै दुनिया...’, वरिष्ठ कवि-गीतकार सिया राम झा ‘सरस’ गीत ‘अपन जननीक आंचल सन कोनो अनुराग नहि होइए...’ व गज़ल ‘एगो चेहरा गुलाबी राति भरि हमरा सूतऽ नहि दैए...’ सुनाकऽ सभहक खूब प्रशंसा पओलनि। अध्यक्षीय काव्यपाठ करैत डाॅ जय प्रकाश चैधरी ‘जनक’ नारी सशक्तीकरण पर व्यंग्य ‘आधा अधिकार’ शीर्षक कविता ‘महिला आरक्षण भऽ रहलै सभ मे चाही आधा अधिकार...’ सहित अन्य हास्य-व्यंग्य सँ परिपूर्ण रचनासभ सुनाकऽ सभहक खूब थपड़ी बटोरलनि।

एहि अवसर पर परिषद्क पूर्व सचिव तुलानंद मिश्र, सतीश चंद्र झा, श्याम चंद्र मिश्र ‘विनोद’, मिथिला महिला समितिक अध्यक्ष श्रीमती अंजू झा, परिषद्क वर्तमान संयुक्त सचिव माया नन्द झा, कोषाध्यक्ष विवेकानंद झा सहित केसी झा, डाॅ विश्वकान्त पाठक, अनिमेष कुमार झा, अविनाश कुमार झा, विजय शंकर मल्लिक, उदय कुमार झा, सुनील मोहन ठाकुर, अमन कुमार झा, गंगेश कुमार पाठक, रंजन कुमार कर्ण, मनोज झा, गणेश झा, गोविंद कुमार झा, नीरज चैधरी, पीके झा चंदन, सुदीप ठाकुर, विजय कुमार झा, दीपक झा, किरण मिश्रा, बटोही कुमार, हरिश्चन्द्र झा, रामबाबू चैधरी, विश्वनाथ झा, मिहिर झा, चंद्रकांत मिश्र, श्रवण कुमार झा, पूनम मिश्रा, वेंकटेश शर्मा, अरुण झा, डाॅ राकेश रंजन, बी राय, रुपक झा, अमन मिश्र सहित बहुतरास संख्या मे श्रोता उपस्थित छलाह।

अरुण पाठक

Post Top Ad