बिहारक उपमुख्यमंत्री मुँह घुमौलनि आ निकलि गेलाह
दरभंगा/पटना. दरभंगामे 5 सालक बचिया संग दुष्कर्म कांडमे जखन बिहारक उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी सँ सवाल कयल गेल त' उत्तर देबाक बजाय उपमुख्यमंत्री मुँह घुमौलनि आ आगू बढ़ि गेलाह.
https://twitter.com/ANI/status/1203166049698537473

ज्ञात होअय जे दरभंगा जिलाक सदर थाना क्षेत्रमे एक गोट पांच सालक बच्चीक संग एगो ऑटो चालक द्वारा दुष्कर्म करबाक कृत्य सोझाँ आयल अछि. बच्ची गंभीर हालतिमे अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल अछि जतय ओकर हालति अति चिंताजनक बनल अछि. ओना एहि बीच पुलिस सेहो तत्काल कारवाइ करैत आरोपी केँ देर राति गिरफ्तार क' लेलक अछि. दरभंगा पुलिस उपाधीक्षक (सदर) अनोज कुमार बतओलनि जे आरोपी केँ गिरफ्तार क' लेल गेल अछि, जकर पहचान भगवानपुर निवासी तेतर साहनीक रूपमे कयल गेल अछि. पुलिस पूरा मामिलाक छानबीन क' रहल अछि.