लोक आस्थाक महान पावनि छठि: आई डूमैत सूर्य के देल गेल अघ्र्य - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

बुधवार, 29 अक्टूबर 2014

लोक आस्थाक महान पावनि छठि: आई डूमैत सूर्य के देल गेल अघ्र्य


अरुण पाठक
झारखंड (बोकारो)- लोक आस्थाक महान पावनि छठि इस्पात नगरी बोकारो सहित पूरा झारखंड मे असीम श्रद्धा आ’ उल्ललासपूर्ण वातावरण मे मनाओल जा रहल अछि। आई (बुधदिन) डूमैत सूर्य कें अघ्र्य देल गेल। विभिन्न छठि घाट पर लोकसभक हूजूम उमडि़ पड़ल। इस्पात नगरी बोकारो के सेक्टर 4डी जगन्नाथ मंदिर, सेक्टर 4एफ सूर्य सरोवर, सेक्टर-5ए के अय्यप्पा सरोवर, सेक्टर 3 टूटैंक गार्डेन, सिटी पार्क, सेक्टर 9 गरमा डेम सहित विभिन्न छठि घाट पर श्रद्धालुसभक अपार भीड़ उमडि़ पड़ल। एहि सँ पूर्व काल्हि खरनाक पूजा व्रतीसभ कयलनि। छठि केनिहार व्रतीसभहक घर देर राति धरि खरनाक प्रसाद ग्रहण करबाक लेल लोकसभक आवाजाही लागल रहल। सेक्टर 5 स्थित बोकारो वन प्रमंडल पदाधिकारी व वरिश्ठ साहित्यकार कुमार मनीष अरविन्द के आवास पर सेहो छठि पावनिक धूम रहैत अछि। काल्हि खरनाक प्रसाद ग्रहण करबाक लेल ओहिठाम जिलाक वरिष्ठ प्रशासनिक पदाधिकारी, पुलिस प्रशासन, बीएसएलक वरिष्ठ पदाधिकारी सहित साहित्यकारसभ सेहो जुटलाह। विभिन्न घाटसभकें साफ-सफाई, प्रकाश व्यवस्था आदि मे बीएसएल प्रबंधनक सराहनीय योगदान रहल अछि। एकर अलावा किछु स्वयंसेवी संस्थासभ सेहो छठि पावनि मे सहायतार्थ अपन स्टाॅल लगओने अछि। 

Post Top Ad