मिथिला महिला मंच द्वारा भव्य कलश यात्रा - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

रविवार, 9 नवंबर 2014

मिथिला महिला मंच द्वारा भव्य कलश यात्रा



कोलकाता- बंगभुमी पर आई मिथिला महिला मंच के द्वारा भव्य कलश यात्रा निकालल गेल। एहि कार्यक्रम के उद्घाटन विधायक श्रीमति स्मिता बक्सी एवं संजय बक्सी केलनि। स्मिता बक्सी मंच के अध्यक्ष श्रीमति शैल झा के कलश दऽ यात्रा के प्रारम्भ केलनि। ई यात्रा गिरीश पार्क सॅ चितरंजन एवेन्यू, मुक्ताराम बाबु स्ट्रीट, रवीन्द्र सारणी, गणेश टाकिज, पाथुरिया घाट होइत भुतनाथ पहुँचल। बाबा भुतनाथ मंदिर मे कलश यात्री सब जलाभिषेख केलनि। अहि बेर विशेष पुजारी के रूप मे महिपाल जी के पूत्र छलाह। ज्ञातव्य हो जे महिपाल जी किछू मास पूर्व स्वर्गवासी भ गेला। अहि कलश यात्रा मे लगभग एक हजार महिला शामिल भेलीह। सब महिला एकहि रंग के साड़ी मे रहला सऽ भव्य लागैत छल। एहि मे कोलकाता के कला-साहित्य प्रेमी सब के जमघट देखल गेल। यात्रा मे वरिष्ठ साहित्यकार श्री रामलोचन ठाकुर, श्री भवनाथ झा, श्री लक्ष्मण झा सागर एवं श्री विनय भुषण उपस्थित छलाह। विदित हो जे मिथिला महिला मंच मिथिला विकास परिषदक सहयोगी संस्था छी। परिषद के अध्यक्ष श्री अशोक झा कहलनि जे आगु साल स एहि कार्यक्रम के आरो विस्तार क सियालदह विद्यापति मूर्ति धरि ल जायब। मंचक अध्यक्ष श्रीमती शैल झा उत्साहित भ कहलि जे आशा स वेशी महिला के उपस्थिति संस्था के नव ऊर्जा भेट रहल अछि। अहि कार्यक्रम के सफल बनबै मे अंजय चौधरी, पवन ठाकूर, अशोक झा भोली, विनय प्रतिहस्त, अखिलेश झा, गौरी शंकर झा, कामेश्वर झा कमल, रसीक जी, अरूण झा, रूपा चौधरी, अंजना ईस्सर, आमोद झा उपस्थित छलाह।

Post Top Ad