नशाक जाल - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

मंगलवार, 4 नवंबर 2014

नशाक जाल












-राम कुमार मिश्र


जौं बूझी त​ऽ जहरी जर्दा जड़ा रहल अछि लोकक जिनगी
सिगरेट  चीलम गांजा गला रहल अछि लोकक जिनगी

चौक​-चौबट्टी दारु केर भट्टी बनल बिनाशक बीखशाला 
चिखना कटिया तारी में लुटा रहल अछि लोकक जिनगी

रंग​-बिरही पुरिया पाकिट धऽ नवतुरियाक रंग देखू
चिबा-चिबा बिख गुटका चिबा रहल अछि लोकक जिनगी

नोतल केंसर आबि रहल छै फोंक करै लेल जिनगी कऽ
धन​-संम्पति लुटा लुटा कना रहल अछि लोकक जिनगी

नशाखोरक जिनगी देखियौ भरल जुआनी बूढ बनल​
दांत टूटि आ डांड़ लीबि लिबा रहल अछि लोकक जिनगी

फेर न भेटत जिनगी बाबू जौं एकरा बरबाद करब
तोरियौ नशाक जाल जे फंसा रहल अछि लोकक जिनगी

लय संकल्प करू दृढ़ निश्चय फेकी सभटा दुर्गुन राम
देखू सोचू बूझू कोनाक हरा रहल अछि लोकक जिनगी

Post Top Ad