साहित्य अकादेमी द्वारा द्विदिवसीय साहित्यकार त्रय के भेल आयोजन । - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शुक्रवार, 2 जनवरी 2015

साहित्य अकादेमी द्वारा द्विदिवसीय साहित्यकार त्रय के भेल आयोजन ।

साहित्य अकादेमी द्वारा द्विदिवसीय साहित्यकार त्रय के आयोजन ।

  • फेर मैथिली के कार्यक्रम मे मिथिलाक्षर रहल निपत्ता 
  • साहित्यकार लोकनि जनतब के अभाव के स्वीकारलनि
  • डॅा वीणा ठाकुर के अकादेमीक प्रगति कार्य लेल सब केलनि आभार प्रकट 
  • विषय : जयनारायण मल्लिक, वैद्यनाथ मल्लिक विधु एवं आनन्द झा न्यायाचार्य पर केंद्रित


मंच संचालित करैत साहित्य अकादेमी के संयोजिका डॉ. वीणा ठाकुर
प्रकाश झा / अनमोल झा

कोलकाता : साहित्य अकादेमी द्वारा आयोजित साहित्यकार त्रय जयनारायण मल्लिक, वैद्यनाथ मल्लिक विधु एवं आनंद झा न्यायाचार्य पर केंद्रित द्विदिवसीय जन्मशती संगोष्ठी साहित्य अकादेमीक क्षेत्रीय कार्यालय अकादेमी सभागार मे सम्पन्न भेल । एहि संगोष्ठीक आरम्भ श्री देवेन्द्र कुमार देवेश, विशेष कार्याधिकारी साहित्य अकादेमी के स्वागत भाषण सॅ भेल । जकर उद्घाटन वयोवृद्ध साहित्यकारए पत्रकार आ कर्णामृत के संपादक श्री राजनंदन लाल दास केलनि । एकर प्रारंभ पहिल दिन  10 बजे भेल, जाहि मे अध्यक्षता श्री विद्यानंद झा एवं विषय प्रवर्तन साहित्य अकादेमी मे मैथिली भाषाक परामर्श मंडलक संयोजिका डॅा. वीणा ठाकुर आ वीज भाषण श्री कमलाकांत झा केलनि । कार्यक्रम के छह सत्र मे बाँटल गेल छल ।  

प्रथम सत्रक आयोजन 12 बजे सॅ साहित्य अकादेमी के परामर्श दात्री के सदस्य श्री कामदेव झाक अध्यक्षता मे शुरु भेल, जाहि मे मल्लिक द्वय पर श्री रवीन्द्र चौधरी, शिव प्रसाद यादव आ नरेश मोहन झा आलेख पढलनि । दोसर सत्रक अध्यक्षता श्री कमलाकांत झा केलनि । जाहि मे खुशीलाल झा एवं अन्य आलेख पाठ केलनि ।  एहि दिनक अन्तिम सत्र अर्थात तृतीय सत्र मे आलोक पाठक, डॅा. बुचरु पासवान एवं फुलचन्द्र झा "प्रवीण" अपन आलेख पाठ केलनि ।

अपन आलेख पाठ करैत अशोक झा जी

दोसर दिनक पहिल सत्र जे  कार्यक्रम के चतुर्थ सत्र छल के श्री मोहनानंद मिश्र के अध्यक्षता मे श्री ताराकांत झा, श्री नवीन चौधरी एवं श्री अनमोल झा आलेख पाठ केलनि । पंचम सत्र के अध्यक्षता अशोक अविचल आ आलेख पाठ रेवती मिश्र, अमलेंदु शेखर पाठक एवं अशोक झा केलनि । षष्ठ सत्र के अध्यक्षता श्रीपति त्रिपाठी आ आलेख पाठ पंचानन मिश्र, महानंद ठाकुर एवं रामलोचन ठाकुर केलनि । 

अपन आलेख पाठ करैत वरिष्ठ साहित्यकार -संपादक श्री रामलोचन ठाकुर 

दोसर दिनक कार्यक्रम के पुरा सत्र मे बहुतो साहित्यकार के आनन्द झा न्यायाचार्य के विषय मे जनतब नहि छलनि, से साहित्यकार लोकनि स्वीकार करैत कहलनि जे बहुत जोगार आ साहित्यकार सब सॅ सम्पर्क केलाक बाद किछु तथ्य हाथ लागल अछि । पंचानन मिश्र मैथिली अकादेमी पर कटाक्ष करैत कहलनि जे 2006 मे किछु पोथी मैथिली अकादेमी मे जमा कराओल गेल छल, मुदा ओ प्रकाशित नहि कायल गेल, ताहि पर अमलेंदु शेखर पाठक दर्शक दिर्घा सॅ उठि पंचानन मिश्रक बात पर असहमति करैत कहलथि जे जाहि साहित्यकार के आहाँ नाम लेलौ हुनकर 2006 सॅ पहिनहि देहावसान भ  गेल छनि, फेर बात के सम्हारैत मिश्र कहलनि जे से हमरा जनतब नहि अछि, इ हमरा एकटा साहित्यकार कहलनि । कार्यक्रम के बिच.बिच मे वीणा ठाकुर आलेख परहैत साहित्यकार लोकनि के समय कम लेबाक बेर.बेर निवेदन करैत रहलि । ओना ई हरेक साहित्यीक कार्यक्रम मे देखल जायत अछि । तेँ साहित्यकार के चाहि कम शब्द मे बेशी जनतब श्रोता धरि पहुँचाबैथ । संयोजीका वीणा ठाकुर सॅ जखन प्रश्न केलौं जे मैथिली कार्यक्रम मे बैनर पर मिथिलाक्षर के जगह कियेक नहि ? कम.स.कम साहित्य अकादेमी त मिथिलाक्षर मे लिखल जै, त ओ  कहलि जे आब आहाँ सब ई करब, आगु हम ध्यान देबै । विदित हो जे अहि स पहिले कार्ड हिन्दी मे छपैत छल, जे अहिेवेर मैथिली मे छल । कोलकाताक युवा साहित्यकार आ फिल्म पत्रकार भाष्कर झा प्रश्न केलनि जे पुरा कार्यक्रम मे उपस्थिति के एकटा ब्योरा हेतु उपस्थित लोक सब सॅ एकटा हस्ताक्षर आ प्रश्न करबाक व्यवस्था हेबाक चाहि । ताहि पर संयोजीका  कहलि जे हस्ताक्षर के व्यवस्था कायल जायत, मुदा प्रश्न सत्र के बिच मे पुछि सकैत छलौ । विदित हो जे एकर जनतब पहिले नहि देल गेल छल । 

दर्शक दीर्घा में बैसल बाम स किशोरीकांत मिश्र, अमलेन्दु शेखर पाठक, विनोद कुमार, अशोक अविचल, फूलचन्द्र झा "प्रवीण"

समापन सत्र के अध्यक्षता श्री किशोरी कांत मिश्र, पर्यवेक्षक ब्रह्मेंद्र झा एवं समापन भाषण विनोद कुमार केलनि । ब्रह्मेंद्र झा व्यंगात्मक रुपे दु दिना कार्यक्ंम के उल्लेख केलनि । द्विदिवसीय पुरा सत्र के संचालन संयोजिका वीणा ठाकुर केलनि ।  उपस्थित विद्वतजन वीणा ठाकुर के संयोजन मे आयोजीत कार्यक्रम पर आभार प्रकट केलनि । दर्शक दिर्घा मे उपस्थित कोलकाताक साहित्यानुरागी साहित्य अकादेमी द्वारा आयोजित कार्यक्रम कोलकाता मे करबाक लेल धन्यवाद ज्ञात केलक । 

Post Top Ad