कोकिल मंच करत नाटक 'बूढ़ भेल बलाय' के मंचन - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

बुधवार, 21 जनवरी 2015

कोकिल मंच करत नाटक 'बूढ़ भेल बलाय' के मंचन

कोलकाता : रजत जयंती के अवसर पर नाट्य संस्था कोकिल मंच ३१ जनवरी आ १ फरवरी के दू दिना  कार्यक्रम के आयोजन कयलक अछि। विद्या मंदिर सभागार, मोयरा स्ट्रीट मे शनिदिन ३१ जनवरी के ४:३०  बजे स सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित होयत।  एहि मे दरभंगा स मैथिली के प्रसिद्द गायक आ अभिनेता माधव राय एवं बेंगलोर स  प्रसिद्द गायिका  रजनी पल्लवी के कार्यक्रम होयत।  

रविदिन १  फरवरी के सांझ ४ :३०  बजे स डॉ. योगेन्द्र पाठक 'वियोगी' लिखित नाटक 'बूढ़ भेल बलाय' के मंचन होयत। एवं निर्देशन गंगा झा करताह। लगातार किछु दिन स संस्था स्थानीय विद्यापति विद्या मंदिर में रिहलसल मे लागल अछि, स्त्री पात्र मे रंगकर्मी किरण झा के देखै लेल भेटत। एहि कार्यक्रम के मीडिया पार्टनर नव मिथिला अछि।  

Post Top Ad