मिथिला सांस्कृतिक परिषद् मे भेल मैथिली महोत्सवक भव्य आयोजन - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 19 फ़रवरी 2015

मिथिला सांस्कृतिक परिषद् मे भेल मैथिली महोत्सवक भव्य आयोजन

अरुण पाठक
  • मिथिलांचलक विद्वत परंपरा आ’ सांस्कृतिक विषिश्टता प्रशंसनीय: बिरंची नारायण
  • ‘जनक ललित फुलवरिया हो रामा, चलु सब सखिया...’

उद्घाटन करैत विधायक बिरंची नारायण, रामाधार झा, वी के झा, हरि मोहन झा व अन्य अतिथिगण
गीत गबैत अक्षिता पाठक
झारखंड (बोकारो)। इस्पात नगरी बोकारो मे मैथिली भाषीसभक प्रमुख संस्था मिथिला सांस्कृतिक परिशद् द्वारा मैथिली महोत्सवक आयोजन कएल गेल। एहि आयोजन मे दिन मे बच्चासभक लेल चित्रकला प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल, तकरबाद अपराह्न 4 बजे सँ ‘नव पीढ़ी केर मैथिली भाशा सँ बढ़ैत दूरी-समस्या आ’ समाधान’ विषय पर एकटा परिचर्चाक आयोजन कएल गेल। परिषद्क पूर्व सचिव बलराम चैधरीक अध्यक्षता आ’ तुलानंद मिश्र के संचालन मे आयोजित एहि परिचर्चा मे वक्तागण मैथिली भाषा के महत्त्व पर प्रकाश दैत नव पीढ़ी मे एकरा प्रति लगाव बढ़ावऽ लेल परिवार, संस्थासभकें एहि दिशा मे विशेष प्रयास करबाक आवश्यकता पर बल देलनि। परिचर्चा मे रामाधार झा, उमेश मिश्र, बुद्धिनाथ झा, अमरेन्द्र कुमार झा, अमीरीनाथ झा ‘अमर’, सतीश चंद्र झा, नगीना प्रसाद महतो, डाॅ के एन झा, डाॅ सन्तोष कुमार झा, श्रवण कुमार झा, सुनील मोहन ठाकुर आदि अपन विचार रखलनि। प्रारंभ मे परिषद्क महासचिव हरि मोहन झा परिचर्चाक उद्देश्य पर प्रकाश देलनि। संध्याकाल भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। मुख्य अतिथि बोकारो के विधायक बिरंची नारायण, मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूलक अध्यक्ष रामाधार झा, बीएसएल के महाप्रबंधक व परिशद्क अध्यक्ष विजय कुमार झा, पी के झा, परिषद्क महासचिव हरि मोहन झा, मिथिला एकेडमी के सचिव अविनाश कुमार झा, प्राचार्या श्रीला लाल, भाजपा महिला मोर्चाक अध्यक्ष ममता राजहंस, भाजपा नेता सुनील मोहन ठाकुर दीप प्रज्ज्वलित कऽ कार्यक्रमक शुभारंभ कयलनि। एहि अवसर पर गायक अरुण पाठक स्वागत गीत ‘मंगलमय दिन आजु हे पाहुन छथि आयल...’ के सुमधुर प्रस्तुति कयलनि। परिषद्क अध्यक्ष विजय कुमार झा विधायक श्री बिरंची नारायण के मैथिल परंपरानुसार पाग आ’ डोपटा भेंट कय सम्मानित कयलनि। विधायक श्री बिरंची अपन संबोधन मे मिथिलाक प्राचीन गौरवशाली विद्वत परंपरा आ’ सांस्कृतिक विशिष्टता पर प्रकाश दैत कहलनि जे आईयो मिथिला के लोकसभक बौद्धिकता लेल जानल जाईत छथि। ओ मिथिला समाज द्वारा हुनका भेटल अपार समर्थन आ’ स्नेह के लेल ओ आभार प्रकट करैत कहलनि जे ओ सदैव समाजक साथ छथि। विधायक कहलनि जे ओ बोकारो विधानसभा क्षेत्रक मूलभूत समस्या सड़क, पानी, बिजली के समाधानक दिषा मे तऽ कार्य करबे करताह, लेकिन बोकारो मे उच्च व तकनीकी शिक्षाक विकास हुनक सपना अछि। एहि दिशा मे ओ भरपूर प्रयास करताह। विधायक कहलनि जे बोकारो मे मेडिकल काॅलेजक खोलबाक लेल ओ इस्पात मंत्री आ’ झारखंड के मुख्यमंत्री सँ बात कऽ चुकल छथि। हुनकासभ सँ सकारात्मक जवाब भेटल अछि आ’ हुनक पूरा प्रयास होयत जे एहि वर्श मे मेडिकल काॅलेज बोकारो के भेटि जाय। तकर बाद ओ इंजीनियरिंग आ’ अन्य तकनीकी संस्थानक लेल सेहो पूरा प्रयास करताह। श्री बिरंची कहलनि जे बोकारो मे कला आ’ साहित्य के बढ़ावा देबाक लेल सेहो ओ प्रयास करताह। बोकारो मे साहित्य व सांस्कृतिक कार्यक्रमक लेल एकटा पैघ कला भवन बनेबाक ओ प्रयास करताह। परिशद्क सांस्कृतिक कार्यक्रम निर्देशक विजय कुमार मिश्र ‘अंजु’ के संयोजन मे मिथिला महिला समितिक सहयोग सँ भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक शुरुआत भगवती आराधना गीत सँ भेल। दिलीप कुमार, आंचल आनंद, आयुशी आनंद, अक्षिता पाठक, प्रीति मिश्रा, आशा झा, मीरा मिश्रा, भारती झा, किरण मिश्रा, अरुण कुमार पाठक, सुनीता श्रीवास्तव, प्रवीण चैधरी, डाॅ जे के झा आ’ विश्वनाथ गोस्वामी मैथिली गीत आ’ पूजा कुमारी व कनकलता नृत्य के मनोहारी प्रस्तुति सँ सभकें आनंदित कयलनि। लागि रहल छल मिथिलांचलक संस्कृति बोकारो मे उतरि आयल हो। उदीयमान प्रतिभा आंचल आनंद आ’ आयुषी आनंद ‘जय-जय भैरवि असुर भयाउनि...’ तथा अक्षिता पाठक चैती ‘जनक ललित फुलवरिया हो रामा चलु सब सखिया...’ सुनाकऽ श्रोतासभक भरपूर प्रशंसा पओलनि। कार्यक्रम मे तबला पर रुपक कुमार झा, हारमोनियम पर विश्वनाथ गोस्वामी, प्रसेनजीत शर्मा, की-बोर्ड पर मोहन कुमार संगति कयलनि। मंच संचालन अजीत कुमार झा आ’ धन्यवाद ज्ञापन परिषद्क सांस्कृतिक कार्यक्रम निर्देशक विजय कुमार मिश्र ‘अंजु’ कयलनि। महोत्सव मे चित्रकला प्रतियोगिता के विजेतासभकें विधायक पुरस्कृत कयलनि। एहि अवसर पर विधायक बिरंची नारायण के धर्मपत्नी श्रीमती नीना नारायण, बीएसएल के उप महाप्रबंधक हर्ष नाथ मिश्र, मिथिला एकेडमी के उपाध्यक्ष राजेन्द्र कुमार सहित बहुतरास संख्या मे मैथिली प्रेमी उपस्थित छलाह।

Post Top Ad