मैलोरंग आयोजित करत ‘मिथिला रंग महोत्सव’ - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

बुधवार, 1 अप्रैल 2015

मैलोरंग आयोजित करत ‘मिथिला रंग महोत्सव’

  • मैलोरंग आयोजित करत ‘मिथिला रंग महोत्सव’ 
  • ‘मिथिला रंग महोत्सव’ मे होयत पाँचटा नाटक
  • एक स तीन मई धरि चलत मैलोरंग, दिल्लीक ‘मिथिला रंग महोत्सव’ 
  • संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार द्वारा आयोजित होयत ‘मिथिला रंग महोत्सव’ 


दिल्ली/मधुबनी - देशक राजधानी दिल्ली मे मैथिली रंगकर्म एवं सांस्कृतिक क्षेत्र मे काज करै वाला संस्था ‘मैथिली लोक रंग’ यानी मैलोरंग मधुबनी मे तीन दिवसीय ‘मिथिला रंग महोत्सव’ आयोजन करवाक घोषणा कयलक अछि। स्थानीय गिरिधारी नगर भवन, मधुबनी मे नियमित (6.30 बजे साँझ ) एक सँ तीन मई धरि आयोजित रंग महोत्सव मे प्रख्यात निर्देशक लोकनिक पाँचटा नाटक मंचित कायल जायत ।

ओम प्रकाश भारती
मैथिली लोक रंग (मैलोरंग) के निदेशक प्रकाश झा जानकारी दैत कहलनि जे मैलोरंग रेपर्टरी के तत्वावधान मे एहि नाटक सब के मंचन कायल जायत । एहि महोत्सवक आयोजन संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार के सहयोग सँ कायल जायत । एहि प्रथम मिथिला रंग महोत्सवक उद्घाटन डॉ. ओम प्रकाश भारती जी ( निदेशक; पूर्वी क्षेत्रीय सांस्कृति केन्द्र, कोलकाता, भारत सरकार ) करताह । आयोजनक वरीष्ठ नाटककार श्री महेन्द्र मलंगिया (अध्यक्ष; मैलोरंग) जीक सानिद्ध नियमित रहत । एहि महोत्सवक प्रबंधन मुकेश झा (मैलोरंग, रंगमंडल प्रमुख ) द्वारा कायल जा रहल अछि ।  


पहिल दिन एक मई के प्रख्यात नाटककार रामेश्वर प्रेम लिखित नाटक ‘जल डमरू बाजे’ के मैथिली रूपांतरण मंचित कायल जायत । एकर  निर्देशन सुप्रसिद्ध रंगकर्मी प्रकाश झा केलनि अछि । दू मई के महेंद्र मलंगिया लिखित ‘देह पर कोठी खसा दिय’ और राजकमल चौधरी लिखित ‘मैथिली नारि : चारि रंग’ के मंचन कायल जायत । एकर  निर्देशन क्रमश: मुकेश झा तथा देवेंद्र राज अंकुर केलनि अछि। महोत्सव के अंतिम दिन तीन मई के ‘फाँस’ निर्देशन श्याम साहनी तथा रोमियो जूलियट पर आधारित मैथिली नाटक ‘चान चकोर’ नाटक के मंचन कायल जायत । एकर निर्देशन प्रकाश झा केलनि अछि । महोत्सव मे देशक जानल-मानल रंग व्यक्तित्व लोकनि के आमंत्रित कायल जेल अछि । 

प्रकाश झा
महोत्सवक सम्बन्ध मे जानकारी दैत मुकेश झा कहलनि ई  महोत्सव पहिल बेर आयोजित कायल जा रहल अछि। आ ई सब साल कायल जायत । आन बेर सँ एहि महोत्सव मे देश के विभिन्न नाट्य दल के बजाओल जायत आ आयोजन स्थल सेहो बदलल  रहत । एहि पहिल रंग महोत्सव मे सब नाटक मैथिली भाषा मे मंचित होयत। मुदा आगू सँ महोत्सव मे विभिन्न भाषाक देश-विदेशक नाटक के सेहो आमंत्रित कायल जायत।  

मैलोरंग के अध्यक्ष महेन्द्र मलंगिया जी कहलनि जे ई एकटा कठिन आयोजन अछि, संगहि मैलोरंग के रंगकर्मी के लेल ई एकटा परीक्षा जेहन अछि जे दिल्ली स आबि के एकटा नव स्थान पर लगातार पाँचटा  नाटकक मंचन करत । आई हमरा प्रशन्ता अछि जे हमर  रेपर्टरी एकरा करै मे समर्थ भ सकल।  हम जे बीज रोपने रही, से  दिल्ली जा के गाछ  बनि चुकल अछि । 

Post Top Ad