‘उन्नयन’ कार्यक्रम के उद्घाटन कयलनि राज्यपाल - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 2 जुलाई 2015

‘उन्नयन’ कार्यक्रम के उद्घाटन कयलनि राज्यपाल

भव्य सांस्कृतिक प्रस्तुतिक संग मनाओल गेल डीपीएस, बोकारोक 28वां स्थापना दिवस कार्यक्रम ‘उन्नयन

क्वालिटी एजुकेषन मे डीपीएस बोकारोक एकटा अलग पहिचान: राज्यपाल
राज्यपाल कयलनि बोकारो स्टील प्लांटक भ्रमण

कार्यक्रमक उद्घाटन करैत राज्यपाल श्रीमती द्रौपदी मुर्मू व अतिथिगण
- अरुण पाठक

झारखंड (बोकारो)। दिल्ली पब्लिक स्कूल, बोकारोक 28म स्थापना दिवस सह वार्शिकोत्सव कार्यक्रम ‘उन्नयन’ वृहस्पतिदिन भव्य सांस्कृतिक प्रस्तुतिक संग आयोजित भेल। कार्यक्रमक उद्घाटन मुख्य अतिथि झारखंड के राज्यपाल श्रीमती द्रौपदी मुर्मू, विशिष्ट अतिथि बोकारो के उपायुक्त मनोज कुमार, राज्यपाल के प्रधान सचिव एस एस मीणा, सेल के अधिषासी निदेषक सह डीपीएस बोकारो के प्रो-वाईस चेयरमैन षीतांषु प्रसाद, ओएसडी ज्यूडिषियल नलिन कुमार, एसपी बोकारो तथा डीपीएस बोकारोक निदेशक व प्राचार्या डाॅ हेमलता एस मोहन संयुक्तरुप सँ दीप प्रज्ज्वलित कऽ केलनि। विद्यालयक छात्रासभ स्वागत गीत ‘स्वागत की खुषियां तन-मन महकाए...’ के सुमधुर प्रस्तुति सँ अतिथिसभक स्वागत कयलनि। मुख्य अतिथि राज्यपाल श्रीमती द्रौपदी मुर्मू अपन संबोधन मे डीपीएस बोकारोक सराहना करैत कहलनि जे क्वालिटी एजुकेषन के क्षेत्र मे ई विद्यालय अपन एकटा अलग पहिचान बनओलक अछि। क्वालिटी एजुकेषन सँ बच्चासभक बौद्धिक विकास होईत अछि, ओतहि दोसर दिस आत्मविष्वासक संग सफलताक दिस बढ़बाक प्रेरणा सेहो भेटैत छैक। ओ कहलनि जे विद्यालय ‘दीपांष षिक्षा केन्द्र’ व ‘कोषिष’ के माध्यम सँ सामाजिक दायित्वक निवर्हन सेहो विद्यालय कऽ रहल अछि। षिक्षा मौलिक अधिकार अछि आ’ हर व्यक्ति के साक्षर बनेनाई नैतिक कत्र्तव्य अछि। दीपांष के माध्यम सँ मौलिक षिक्षा सँ वंचित बच्चासभकें षिक्षा देल जा रहल अछि। विद्यालयक ‘स्वच्छ सनातन’ अभियानक प्रषंसा करैत राज्यपाल कहलनि जे बाहरी व आंतरिक स्वच्छताक लेल ई अभियान प्रधानमंत्री के सपना के साकार करत। महामहिम डीपीएस बोकारोक ‘चलो गांव की ओर’ कार्यक्रम के सेहो प्रषंसनीय व अनुकरणीय बतबैत कहलनि जे एकरा माध्यम सँ बच्चासभ ग्रामीण संस्कृति सँ परिचित होईत अछि, ओतहि ग्रामीण बच्चासभकें सेहो षहरी क्षेत्रक षैक्षणिक गतिविधिसभक जानकारी भेटैत अछि। एहि तरहक कार्यक्रमसभक माध्यम सँ सामाजिक समरसता के बढ़ावा भेटैत छैक। राज्यपाल कहलनि जे बेहतर प्रदर्षन करयवला विद्यार्थीसभकें पुरस्कृत केला सँ ओकर मनोबल बढ़ैत छैक। ओ डीपीएस के स्थापना दिवस पर विद्यालय परिवार के बधाई दैत षिक्षा के क्षेत्र मे आओर आगू बढ़बाक लेल षुभकामना देलनि।

एहि सँ अतिथिसभक स्वागत करैत विद्यालयक निदेषक सह प्राचार्या डाॅ हेमलता डीपीएस बोकारोक उपलब्धिसभक विस्तारपूर्वक जानकारी देलनि। ओ कहलनि जे डीपीएस बोकारोक ई 28म स्थापना दिवस है, जखनकि शिक्षा सँ वंचित वर्गक लोकसभक लेल डीपीएस बोकारो द्वारा संचालित दीपांश शिक्षा केन्द्र 15 वर्ष सँ आ’ समाजक कमजोर वर्गक महिलासभक सशक्तिकरण के लेल स्थापित ‘कोशिश’ व्यावसायिक प्रशिक्षण केन्द्र विगत 8 वर्ष सँ निरंतर अपन लक्ष्यक दिस अग्रसर अछि। डाॅ हेमलता कहलनि जे विद्यालय बच्चासभकें गुणवत्तापूर्ण शिक्षा प्रदान करबाक संगहि नीक इंसान बनाबक लेल सतत् प्रयत्नशील रहल अछि। विद्यालय एहि वर्श के ‘स्वच्छ सनातन’ थीम ध्यान केंद्रित कयलक अछि। ‘चलो गांव की ओर’ कार्यक्रमक जरिए बच्चासभ ग्राम्य संस्कृति सँ रु-ब-रु भऽ रहल अछि। डाॅ हेमलता कहलनि जे एहि वर्श विद्यालय मे राश्ट्रीय स्तरक ‘षब्द’ कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल जे श्रीमद्भागवत्गीता के 5151 साल पूरा होबऽ, षेक्सपीयर के 450म वर्शगांठ, प्रथम विष्वयुद्ध व महात्मा गांधी के दक्षिण अफ्रीका सँ वापसी के तथा गीतांजलि के अंग्रेजी अनुवादक 100 वर्श पूरा होबऽ पर केंद्रित छल। पं मदन मोहन मालवीय मेमोरियल तथा नचिकेता आमंत्रण क्विज प्रतियोगिता मे राश्ट्रीय स्तर पर 450 प्रतिभागी हिस्सा लेलक संगहि प्रथम अंतरराश्ट्रीय बोकारो फिल्म महोत्सव ‘दृष्यम्’क आयोजन भेल जे सफल व यादगार रहल। 

‘उन्नयन’ कार्यक्रम मे डीपीएस के विद्यार्थीसभ द्वारा प्रस्तुत भव्य सांस्कृतिक प्रस्तुति उपस्थित लोकसभकें मंत्रमुग्ध कऽ देलक। स्वागत गीत ‘स्वागत की खुषियां तन-मन महकाए...’ के सुमधुर प्रस्तुति अपूर्व चैधरी, ईषा झा, प्रिया, दीक्षा, स्तुति कुमार, अयंतिका सेनगुप्ता, सुप्रिया, सुमंत ष्याम, मुकुल कुमार, अर्चित श्रीवास्तव, प्रदीप्तो दास व आयु ओझा कयलनि। समूह नृत्य ‘गंगा स्तुति’ के माध्यम सँ गंगा के सौंदर्य व पवित्रता के दर्षाओल गेल तऽ ‘संबलपुरी लोक नृत्य’ मे लोक संस्कृति के बहुत संुदर ढंग सँ प्रस्तुत कएल गेल। ‘गंगास्तुति’क प्रस्तुति छात्रा नैऋति षर्मा, सोहम मोहंती, अदिति ठाकुर, ऐष्वर्या सिंह, अमीशा सिंह, अर्पिता भगत, श्रेयसी षेखर, रिया, स्तुति तनेजा, रवि प्रकाष कयलनि। ‘संबलपुरी लोक नृत्य’ छात्रा सृश्टि सुषील कोहाडे, तृप्ति मिश्रा, सुसान कुमार, अंकिता विष्वास, सृश्टि मिश्रा, प्रियांषु, दिव्यांषु, अनुश्का, ईषा, षांभवी, साक्षी व प्रज्ञा प्रस्तुत कयलनि।

एहि अवसर मुख्य अतिथि राज्यपाल श्रीमती द्रौपदी मुर्मू एहि वर्ष डीपीएस के दसवीं बोर्ड परीक्षा मे 10 सीजीपीए प्राप्त करनिहार 125 विद्यार्थी के मेरिट अवाॅर्ड प्रदान कयलनि। एकर अलावा विभिन्न क्षेत्र मे उल्लेखनीय प्रदर्शन करनिहार विद्यार्थीसभकें सेहो पुरस्कृत कएल गेल। गणित के मेधावी विद्यार्थीसभकें प्रोत्साहित करबाक उद्देश्य सँ डीपीएस बोकारो द्वारा आयोजित वार्षिक आर्यभट्ट गणित प्रतियोगिताक विजेतासभकें सेहो राज्यपाल पुरस्कृत कयलनि। एहि अवसर पर विद्यालयक वार्शिक पत्रिका ‘डिप्स रिफ्लेक्षन’ आ’ ई-पत्रिकाक विमोचन राज्यपाल कयलनि। बाद मे प्राचार्या डाॅ हेमलता भास्करचार्य रोबो लैबक उद्घाटन कयलनि। समारोहक संचालन छात्र ऋशभ, नीतिका नव्या, अनुराग, मधुप्रिया
व प्राची कयलनि। धन्यवाद ज्ञापन विद्यालयक उपप्राचार्या परमजीत कौर कयलनि। कार्यक्रमक समापन राश्ट्रगान सँ भेल। समारोह मे डीपीएस रांची के प्राचार्य डाॅ राम सिंह, डीपीएस धनबाद के प्राचार्य के वी भार्गव, चिन्मय विद्यालय के प्राचार्य डाॅ अषोक सिंह, जीजीपीएस बोकारेा के प्रायार्य जोस थाॅमस, जीजीपीएस चास के प्राचार्य के डी सिंह, डीपीएस बोकारोक हेडमिस्ट्रेस प्रतिमा सिन्हा, पी शैलजा जयाकुमार, डाॅ मनीशा तिवारी, आभा षर्मा सहित डीपीएस के षिक्षकगण, विद्यार्थी व अभिभावकगण उपस्थित छलाह।

राज्यपाल कयलनि बोकारो स्टील प्लांटक भ्रमण

अपन एक दिवसीय बोकारो भ्रमण के क्रम मे राज्यपाल द्रौपती मुर्मू डीपीएस के स्थापना दिवस सह वार्शिकोत्सव कार्यक्रम मे हिस्सा लेलाक संगहि-संग बोकारो स्टील प्लांटक भ्रमण कयलनि आ’ बोकारो महिला समिति द्वारा संचालित स्वावलंबन केंद्रक उद्घाटन कयलनि तकर बाद प्रषासनिक व पुलिस अधिकारीसभक संग बैसक कय विकास योजना व विधि व्यवस्थाक जानकारी लेलनि। डीपीएस के स्थापना दिवस समारोह मे हिस्सा लेलाक बाद बोकारो स्टील प्लांट जाकऽ स्टील उत्पादनक प्रक्रियाक अवलोकन कयलनि एवं बोकारो स्टीलक अधिकारीसभ सँ बीएसएल के बारे मे जानकारी लेलनि। राज्यपाल 4.20 बजे रांची के लेल प्रस्थान कयलनि।

Post Top Ad