मधुबनी के लाल तृणमूल प्रार्थी कैलाश मिश्र पश्चिम बंगाल के बाली स विजयी।
नवमिथिला ब्यूरो
![]() |
विजयी भेला के बाद कैलाश मिश्र |
कोलकाता / हावड़ा : मधुबनी जिलाक अरेर निवासी कैलाश मिश्र पश्चिम बंगाल के हावड़ा जिला अंतर्गत बाली नगरनिगम चुनाव में विजयी भेलाह अछि। मिश्र एखन तृणमूल छात्र परिषद के राज्य सचिव छथि। आ बाली के 62 नंबर वार्ड स तृणमूल के उम्मीदवार छलाह। आई हिनका विजय श्री प्राप्त भेलनि। जनतब हो जे बाली के 16 टा सीट में स पूरा तृणमूल के उम्मीदवार जीत हासिल केलनि। सूत्रक अनुसार हिनका 5494 वोट प्राप्त भेलनि अछि। बंगाल में हिनक जीत स बंगालक मैथिल समाज बहुत गर्व महसूस क रहल अछि।