नव-मिथिला दिस सँ सबके, मंगलमय नव साल । - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 31 दिसंबर 2015

नव-मिथिला दिस सँ सबके, मंगलमय नव साल ।



बीतल वर्ष भेटल किछु उत्तर, किछु ओझरैल सवाल नव-मिथिला दिस सँ सबके, मंगलमय नव साल । सिद्धांतवाद-बूद्धिजीवी, ओ मीत-सखा सँ बाँचब फुसिये उपर मोन सँ, जे पुछि रहल छथि हाल । नब साल में ढ़ाहि दियौ, बाँचल अछि जे पुरना हम्मर-तोहर अहंकार के, सब छोट-पैघ देबाल । साकार हैत बुझु तहिये, मिथिला-मधुर कल्पना घर-घर सँ निकलत जहिया, जरैत हाथ मशाल । अहि बात लेल ईश्वर के, हम व्यक्त करी आभार जे देलनि बड बेस अछि, पोसब नै जंजाल । नव मिथिला बनतै तहने, भेटत निज अधिकार जहिया सरकार’क घोषणा, मिथिला राज्य बहाल। घर-आँगन में गीत गोसाउनिक, परा जाएत सब काल नव-मिथिला दिस सँ सबके, मंगलमय नव साल ।

Post Top Ad