चित्र परिचय : माता इला झा व तबला गुरु डाॅ राकेश रंजन के संग केशव झा। |
- केशव के सफलता सँ प्रेरणा भेटत अन्य छात्र सभकें : डाॅ राकेश रंजन
- अरुण पाठक
बोकारो (झारखंड): तबला वादन के क्षेत्र मे उदीयमान बाल प्रतिभा केशव झा के भारत सरकार के संस्कृति मंत्रालय के अंतर्गत कार्यरत संस्था सेंटर फाॅर रिसोर्सेज एंड ट्रेनिंग (सीसीआरटी) द्वारा कल्चरल टैलेंट सर्च स्काॅलरशिप के लेल चयनित कएल गेल अछि। बाल व युवा प्रतिभासभ के संगीत एवं कला के क्षेत्र में प्रोत्साहन देबाक लेल सीसीआरटी स्काॅलरशिप दैत अछि। एहि लेल हर वर्ष आवेदन आमंत्रित कएल जाईत अछि। वर्ष 2015-16 के लेल आयोजित साक्षात्कार मे केशव झाक चयन भेल अछि। ओकरा 20 वर्षक उम्र धरि तबलावादन मे प्रशिक्षण प्राप्त करबाक लेल सीसीआरटी द्वारा प्रतिमाह 1050 रुपयाक स्काॅलरशिप देल जायत। बचपने सँ तबला वादन मे रुचि रखनिहार कलिगांव, दरभंगा (बिहार) के मूल निवासी आ’ वर्तमान मे बोकारो निवासी केशव झा रविदिन बोकारो मे अपन को-आॅपरेटिव काॅलोनी स्थित आवास पर बतओलक जे ओ विगत 7 वर्ष सँ ख्याति प्राप्त तबलावादक व भारतीय संगीत कला अकादमी, गुजरात काॅलोनी चास के सचिव डाॅ राकेश रंजन सँ तबला वादनक शिक्षा लऽ रहल अछि। प्राचीन कला केन्द्र, चंडीगढ़ सँ संबद्ध भारतीय संगीत कला अकादमी, चास सँ तबलावादन मे ओ चतुर्थ वर्षीय परीक्षा (डिप्लोमा) पास कऽ चुकल अछि। केशव झा कहलक जे आगू बढ़बाक लेल ओकर गुरु डाॅ राकेश रंजन सदैव प्रेरित करैत रहलाह अछि। ओ बोकारो में विभिन्न मंच पर सेहो अपन प्रस्तुति दैत रहल अछि। केशव दिल्ली पब्लिक स्कूल, बोकारो के नौवीं कक्षाक छात्र अछि। स्कूल मे आयोजित कार्यक्रमसभ मे सेहो ओ भाग लैत रहैत अछि। कतेको बेर ओकरा पुरस्कृत सेहो कएल गेल अछि। विद्यालयक निदेशक व प्राचार्या डाॅ हेमलता एस मोहन आ’ स्कूलक संगीत शिक्षकसभक प्रोत्साहन सेहो ओकरा भेटैत रहल अछि। केशव कहलक जे स्काॅलरशिप भेटला सँ ओकरा तबलावादन के क्षेत्र मे आओर नीक करबाक प्रेरणा भेटल अछि। ओ कहलक जे तबला वादन के क्षेत्र मे आगू बढ़बा मे ओकरा परिवारक भरपूर समर्थन व सहयोग सेहो भेटल अछि। पिता डाॅ धर्मेन्द्र कुमार झा जे पाटलिपुत्रा मेडिकल काॅलेज, धनबाद मे प्रोफेसर छथि आ’ माता श्रीमती इला झा गृहिणी छथि, सेहो केशव के स्काॅलरशिप भेटला सँ काफी प्रसन्न छथि। केशव के पैघ भाय डाॅ अंशु कुमार झा जे एखन एमबीबीएस के पढ़ाई पूरा केलाक बाद इंटर्नशिप मे छथि, ओहो तबलावादन मे रुचि रखैत छलाह। ओहो केशव के सफलता सँ बहुत प्रसन्न छथि।
केशव के सफलता सँ प्रेरणा भेटत अन्य छात्रसभकें : डाॅ राकेश रंजन
भारतीय संगीत कला अकादमी, चास-बोकारो के सचिव डाॅ राकेश रंजन केशव झा के सफलता पर प्रसन्नता व्यक्त करैत कहलनि जे केशव के स्काॅलरशिप भेटला सँ अन्य बाल व युवा प्रतिभासभकें सेहो प्रेरणा भेटत। भारत सरकारक संस्कृति मंत्रालय के अंतर्गति कार्यरत संस्था सेंटर फाॅर रिसोर्सेज एंड ट्रेनिंग (सीसीआरटी) हर वर्ष कल्चरल टैलंेट सर्च स्काॅलरशिप के लेल आवेदन आमंत्रित करैत अछि। वर्ष 2016-17 के लेल एखन संगीत, नृत्य, चित्रकला आदि विधा सँ संबंधित छात्र-छात्रासभ आवेदन कऽ सकैत छथि। एहि लेल भारत सरकारक वेबसाइट सीसीआरटीइंडियाडाॅटगोवडाॅटइन देखल जा सकैत अछि। डाॅ रंजन कहलनि जे संगीत व कला के क्षेत्र मे कलाकारसभकें प्रोत्साहन देबाक लेल सरकार द्वारा कतेको योजना अछि, लेकिन जानकारी के अभाव मे बहुतरास छात्र आवेदन नहि कऽ पबैत छथि एहि लेल व्यापक प्रचार-प्रसारक आवश्यकता अछि।