युवा उद्यमी मन्नु चौधरी जी के साक्षात्कार - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

मंगलवार, 12 जनवरी 2016

युवा उद्यमी मन्नु चौधरी जी के साक्षात्कार

आई राष्ट्रीय युवा दिवस एवं स्वामी विवेकानंद जी के जन्मदिन के अवसर पर एकटा युवा उद्यमी के साक्षात्कार :



दरभंगा जिला के पंचोभ ग्रामवासी उग्रमोहन चौधरी के पुत्र आ कोलकाता मे युवा उद्यमी मन्नु चौधरी के बहुत रास सपना छनि। एतेक कम बयस मे जाहि स्तर स बढि रहला अछि से प्रशंसनीय अछि। हिनका संग विस्तार स बात केलनि संपादक प्रकाश झा। 

प्र.-  सर्वप्रथम अहाँ अपन प्रारंभिक शिक्षा के बारे मे कही ?

उ. प्रारंभिक शिक्षा हम ऱिषड़ा वाणी भारती सँ 10 तक आ स्कोटी चर्च स इकोनोमिक ऑनर्स केलौं। फेर 2000 मे बिजनेस मैनेजमेंट के पढाई केलौं।

प्र.- एखन अहाँ केहन व्यवसाय स जुड़ल छी?

उ. हम एखन कस्टम क्लियरिंग के व्यवसाय स जुड़ल छी, मासुम एजेंसी आ एम. के. एजेंसी नाम स कम्पनी चलि रहल अछि। जे कोलकाता, मुम्बई आ दिल्ली मे संचालित अछि। जे लोजिस्टीक आ कस्टम स संबंधित इन्टरनेशनल फ्राइट बुकिंग लेल एफआईएटीए स मान्यता प्राप्त अछि।

                       

प्र.- जनतबक अनुसार अहाँ कस्टम के सदस्य लेल सेहो चुनल गेल छी

उ.- हँ 2008 मे कलकत्ता कस्टम हाउस एजेंट एसोसीएसन के एक्सकुटिव सदस्य मनोनीत भेलौं, जे वोटिंग स भेल छल। तकर बाद 2013 मे कलकत्ता क्लियरिंग एजेंट एसोसिएसन के पोर्ट कमिटी चेयरमेन न्युक्त कायल गेलौं। पुरा भारत के कस्टम क्लियरिंग एजेंट के फेडरेशन ऑफ फ्राइट, फोरवाडींग एसोसिएसन इंडिया के एक्सकुटिव सदस्य छी।

प्र.- अहाँ टी. वी. कार्यक्रम के सेहो शौकीन छी, एहि बारे मे किछु कहु?

उ.- हँ सत्ते फुरसत के समय हम टी.वी. कार्यक्रम देखैत छी, तेँ इंडिया टी.वी. के प्रचलित कार्यक्रम आपकी अदालत के 21वाँ सालक उपलक्ष मे अतिथि के रुप मे रही, जाहि मे देश-विदेशक महान हस्ती सब उपस्थित छलाह।
                                           

प्र.- जनतबक अनुसार राजनिति मे सेहो अहाँ दिलचस्पी राखैत छी?

उ.- हँ एखन आईएनटीयुसी के राष्ट्रीय युवा मजदुर संघ के सर्वभारतीय सचिव आ बंगाल के उपाध्यक्ष छी ।

प्र.- व्यवसायिक व्यस्ता के बीच पढब आ पढायब के भावना की एखनो जागृत अछि ?

उ.- एखन हम अतिथि लेक्चरर के रुप मे भारतीय विदेश व्यापार संस्थान स जुड़ल छी.

प्र.- पुरा कार्यालय अहाँक पुरस्कार स भड़ल अछि, एहि बारे मे बताबी?

उ.- 2012 मे कोलकाता कस्टम द्वारा इन्टरनेशनल कस्टम डे के उपलक्ष मे अवार्ड फोर एक्सेलेंस स पुरस्कृत, एहि साल 2015 मे यंग लॉजस्टिक प्रोफेसनल पुरस्कार, इस्टर्न स्टार अवार्ड एगजीम इंडिया आ भारत सरकार के जुरी के द्वारा इस्टर्न इंडिया लेवल पर भेटल अछि।
                                                

प्र.- आगुक लक्ष्य कि अछि?

उ.- हमर आगु के लक्ष्य कहु आकि सपना, एकटा एक्सपोर्ट-ईम्पोर्ट मैनेजमेंट के इन्सटिच्युट के स्थापना करबाक इच्छा अछि, जाहि स मिथिला नहि अपितु भारतक गरीबो बच्चा एहि मे पढि सके।

प्र.- अहाँ अपन आदर्स किनका मानैत  छियैन?

उ.- अपन आदर्श माँ, बाबुजी आ कर्मक्षेत्र के मोहन लाल पंडित केँ हिनके लोकनिक आशिर्वाद स ई सब किछु संभव भेल अछि।

प्र.- अहाँ शौकिन किस्म के लोक छी, बीच-बीच मे अहाँ के फिल्म जगत के गायक-अभिनेता संग फोटो देखल जाइत अछि ?

उ.- हमर लक्ष्य रहैत अछि किछु नव करै के, एखन दुटा डॉक्यूमेंट्री फिल्म के निर्माण केलौं अछि, जाहि मे भारत-भुटान के आयात-निर्यात के फिल्माओल गेल अछि, जाहि स दुनु देश के फायदा भेटल अछि।

प्र.- आजुक समय मे नवयुवक के अहाँ कि संदेश दिय चाहब?


उ.- हुनका सब के हम कहबनि जे जाहि चीज मे मोन माने वेह कार्य करी, लेकिन ओ कार्य नीक पथक हेबाक चाहि, सफलता जरुर भेटत।

नव मिथिला संग बात करै लेल धन्यवाद ।

Post Top Ad