ललित बाबूक मूर्ति स्थापना के कार्य अंतिम चरण मे-अशोक झा - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 10 मार्च 2016

ललित बाबूक मूर्ति स्थापना के कार्य अंतिम चरण मे-अशोक झा




नव मिथिला ब्यूरो :
मधुबनी : परिषद द्वारा देल प्रेस विज्ञप्ति के अनुसार  मिथिला विकास परिषद कोलकाता के द्वारा रेलक्रांति के जनक पूर्व रेलमंत्री स्वर्गीय ललित नारायण मिश्र केर मधुबनी स्टेशन पर मूर्ति स्थापना कायल जयबाक कार्य तीव्रगति स चली रहल अछि। ललित बाबू के मूर्ति स्थापनाक कार्य अंतिम चरण मे पहुँच गेल अछि। विदित हो जे मधुबनी स्टेशनक एक नंबर प्लेटफार्म पर ललित बाबूक मूर्ति स्थापित करवाक कार्य चली रहल अछि , चयनित स्थानक सौंदर्यीकरण के कार्य केर जायजा लेबाक हेतु मिथिला विकास परिषद के केंद्रीय अध्यक्ष अशोक झा के अगुआई मे परिषदक एकटा दल ओहि ठाम पहुँचल छल। स्टेशनक रेल अभियंता सब सेहो मौजूद छलाह। परिषद तरफ सँ मधुबनी जिला के पर्यवेक्षक एवं समस्तीपुर अनुमंडल के रेलवे उपभोक्ता समिति के सदस्य स्वर्णिम कुमार, विष्णुदेव मिश्र, पवन ठाकुर, अंजय चौधरी, त्रिदीप कुमार झा, डा. वीरेन्द्र मल्लिक, नविन कुमार झा, अशोक कुमार झा भोली, एवं कलाधर झा  उपस्थित छलाह। अशोक झा कहलनि जे ललित बाबूक मूर्ति स्थापन भेनई एकटा ऐतिहासिक अछि। ललित बाबूक मूर्ति स्थापना समिति के चेयरमेन श्री कामदेव झा कहलनि जे एहि कार्य के लेल हम सदैव परिषद के ऋणी रहब। 

Post Top Ad