नव मिथिला ब्यूरो :
पश्चिम बंगाल : हावड़ा के लिलुआ स्थित विद्यापति जनकल्याण चेरिटेबल ट्रस्ट 29 मई 2016 (रविदिन) के अपन चतुर्थ वार्षिकोत्सव समारोह मनाओत। मीरपाड़ा, ग्रीनपार्क में ट्रस्ट के अपन भवन परिसर में ई कार्यक्रम आयोजित होयत। कार्यक्रम के तीन भाग में बाँटल गेल अछि, जाहि में सुन्दरकाण्ड पाठ, विचार-विमर्श एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित होयत। कएकटा अतिथि लोकनि के सेहो अयबाक सम्भावना छनि।
मैथिली के सुप्रसिद्ध गायक कुंजबिहारी मिश्र, विकास झा, कंचन पांडेय एवं अंजना ईस्सर के गीत-संगीत सुनै लेल भेटत। कार्यक्रम के सञ्चालन रंगकर्मी-मंच उद्घोषक रामसेवक ठाकुर जी करताह। हिनक एक-पर-एक हँसी-मजाक सुनी श्रोता आनंदित हेताह।
एहि कार्यक्रम के सफल बनबै में ट्रस्टक सब सदस्य जोर-सोर स लागल छथि।

