मिथिला नव-चेतना समिति मनोलक जानकी नवमी - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शुक्रवार, 20 मई 2016

मिथिला नव-चेतना समिति मनोलक जानकी नवमी


नव मिथिला ब्यूरो :

पश्चिम बंगाल : जानकी नवमी के उपलक्ष में मिथिला नव-चेतना समिति रिसड़ा के द्वारा दू-दिवसीय कार्यक्रम 14 मई 2016  एवं 15 मई 2016 के रिसड़ा के श्री कृष्ण नगर, नया बस्ती, में मनाओल गेल। पहिल दिन समिति के अपन भूमि पूजन, 24 घंटा अष्टयाम एवं भोरे 7 बजे कलश यात्रा भेल । 

दोसर दिन गोसाउनिक गीत स कार्यक्रम के शुभारम्भ भेल, अतिथि लोकनि दीप प्रज्वलित क विद्यापतिक मूर्ति पर माल्यार्पण केलनि।  पाहुँन लोकनिक सम्मान, अभिभाषण आ झमटगर सांस्कृतिक कार्यक्रम भेल ।  एहि कार्यक्रम के उद्घाटनकर्ता शिक्षाविद श्री भोगेन्द्र झा छलाह, अध्यक्षता साहित्यकार श्री रामलोचन ठाकुर केलनि, प्रधान अतिथि श्री चंद्रमणि सिंह, सम्मानित अतिथि उद्योगपति श्री कामदेव झा, अतिथि में श्री युगल किशोर झा, श्रीमंती किरण झा, उपस्थित छलाह।  एहि अवसर पर उद्योगपति श्रीमान कामदेव झा, श्रीमान शारदानंद झा के सम्मानित कायल गेलनि एवं  नव-चेतना सेवा सम्मान श्री अरुण कुमार सिंह के देल गेलनि। मंच-सञ्चालन युवा रंगकर्मी रंजीत कुमार झा कयलनि । पूजा के संकल्पकर्ता नीरज झा एवं प्रधान कलश यात्री श्रीमती शांति झा छलीह ।

उपस्थित अतिथि लोकनि समिति के आशीर्वचन दैत समिति के दीर्घजीवी हेवाक कामना केलनि एवं समिति के हरसंभव सहयोग करवाक बात कहलनि। शिक्षिका एवं रंगकर्मी श्रीमती किरण झा कहलनि जे मैथिली-मिथिला नाम पर सहयोग लेल उद्योगपति लोकनिक कनियाँ सब स बात करवाक चाही, महिला अब पाछु नहि अछि, पतिक डोर हुनके हाथ में रहैत छनि ।  स्थानीय पार्षद श्रीमान चंद्रमणि सिंह समिति के सब तरहक सहायता करवाक बात कहलनि एवं समिति के भूमि संलग्न बाट के नाम विद्यापति रोड नाम देवाक आश्वाशन देलनि। 


झारखण्ड स आयल मिथिलेश जी के कर्णप्रिय आवाज़ स उपस्थित श्रोता झुमैत नज़र अयलाह। संस्था तरफ स बद्रीनाथ झा एवं शिवचन्द झा समितिक कार्यशैली पर विस्तार स जनतब देलनि। 

Post Top Ad