![]() |
| मुंबई में प्रख्यात फिल्मकार प्रकाश झा कें अपन पेंटिंग भेंट करैत कलाकार श्रीमती इंदु मिश्रा आ’ प्रदर्शनी मे प्रदर्शित हिनक पेंटिंगसभ। |
- भारत में मुंबई, जमशेदपुर, पुणे, थाणे, भोपाल, चंडीगढ़, रांची, बोकारो, कुल्लू आ’ विदेश में सियोल (दक्षिण कोरिया) में लागि चुकल अछि इंदु मिश्रक कला प्रदर्शनी
- अगस्त 2016 में स्वीडेन में प्रस्तावित अछि कला प्रदर्शनी
- अरुण पाठक
बोकारो (झारखंड)। सर्जनात्मक कलासभ में पेंटिंग अर्थात् चित्रकारीक एकटा खास पहिचान अछि। कला के प्रति समर्पित आ’ प्रतिभाक धनी कलाकारक हाथ सँ जखन कोनो पेंटिंग तैयार होईत अछि तऽ ओ सभकें प्रभावित करैत अछि। मिथिलांचल कला-संस्कृतिक विशिष्टता के लेल जानल जाईत अछि आ’ इस्पात नगरी बोकारो सेहो मिथिलांचलक प्रतिभासभ सँ गौरवान्वित होईत रहैत अछि। हम एखन विशेषरुप सँ बात कऽ रहल छी मिथिलांचलक बेटी आ’ बोकारो के सुप्रसिद्ध पेंटिंग आर्टिस्ट श्रीमती इंदु मिश्रक। हिनक बनाओल पेंटिंगसभक प्रदर्शनी देशक विभिन्न शहर सहित विदेश धरि जा पहँुचल अछि आ’ कला प्रेमीसभ द्वारा प्रशंसित भेल अछि। इंदु मिश्र के कलाकृतिसभक विशेषता अछि परम्परा आ’ आधुनिकताक सम्मिश्रण। मधुबनी पेंटिंग लोकसभकें बेसी पसिन्न अबैत अछि आ’ हिनक रुझान सेहो मिथिला पेेंटिंग दिस बेसी अछि। कला प्रेमीसभ हिनक पेंटिंग के लेल आकृतिआर्टडाॅटकाॅम पर सेहो संपर्क कऽ सकैत छथि।![]() |
| इंदु मिश्र |
नैसर्गिक प्रतिभाक धनी श्रीमती इंदु मिश्र संभवतः झारखंडक पहिल कलाकार छथि जिनक एकल कला प्रदर्शनी विभिन्न शहर मे लागि चुकल अछि। हिनक कला प्रदर्शनीक शुरुआत अप्रैल 2013 में भेल छल। तकर बाद हिनक एकल कला प्रदर्शनीक सिलसिला लगातार जारी अछि आ’ विदेश धरि जा पहुँचल अछि। इंदु मिश्रक पहिल एकल कला प्रदर्शनी बोकारो के सेक्टर 4सी स्थित बोकारो संगीत कला अकादमी मे 6-7 अप्रैल 2013 कऽ आयोजित भेल छल। ओ ‘आरंभ’ नामक अपन पहिल एकल कला प्रदर्शनी बोकारो स्टील प्लान्टक स्वर्ण जयन्ती वर्ष कंे समर्पित कएने छलीह। बोकारो स्टील प्लांटक सीईओ अनुतोष मैत्रा आ’ बोकारो महिला समितिक अध्यक्ष श्रीमती मंजुला मैत्रा प्रदर्शनी व वेबसाईट आकृतिआर्टडाॅटकाॅमक उद्घाटन कयने छलीह। झारखंड राज्य महिला आयोगक तत्कालीन अध्यक्ष डाॅ हेमलता एस मोहन प्रदर्शनीक लोगो के अनावरण कयने छलीह। प्रदर्शनी मे कुल 41 पेंटिंग प्रदर्शित कएल गेल छल, जाहिमे स्त्रीक विभिन्न पक्ष यथा बचपन, युवा व विवाहित रुपसभक चित्रण बहुत प्रभावकारी ढंग सँ भेल छल।
इंदु के दोसर एकल कला प्रदर्शनी रांची मे जेएससीए के हाॅल आॅफ फेम गैलरी मे 21 सँ 23 अक्टूबर 2013 धरि आयोजित भेल। रांची मे 23 अक्टूबर कऽ भारत-आस्ट्रेलियाक बीच क्रिकेट मैच सेहो भेल। ई देश भरि मे पहिल अवसर छल जखन कोनो क्रिकेट स्टेडियम मे पेंटिंग प्रदर्शनी आयोजित कएल गेल। ‘बियांड बाउंड्रीज’ नाम सँ आयोजित एहि प्रदर्शनीक उद्घाटन जेएससीए के चेयरमैन अमिताभ चैधरी कयलनि। ओ प्रदर्शनी मे प्रदर्शित पेंटिंगसभक भरपूर प्रशंसा करैत कलाकार इंदु मिश्रक कला प्रतिभा कंे राज्यक गौरव बतओलनि। बोकारो आ’ रांची दूनू ठाम कला-प्रदर्शनी मे लोकसभक रिस्पांस बहुत नीक रहल जाहि सँ उत्साहित इंदु मिश्र खूब मनोयोग सँ पेंटिंग बनाबऽ मे लागल रहलीह। आ’ तकर परिणाम भेल जे वर्ष 2014 में हिनक एकल कला प्रदर्शनीक आयोजन जमशेदपुर आ’ तकरबाद मंुबई में भेल। मुंबई मे आयोजित हिनक एकल कला प्रदर्शनीक उद्घाटन प्रख्यात फिल्मकार प्रकाश झा कयलनि। ओ हिनक कला प्रतिभा सँ बहुत प्रभावित भेलाह। वर्ष 2015 इंदु मिश्र के लेल बेसी महत्त्वपूर्ण रहल। एहि वर्ष हिनक पेंटिंग सभक प्रदर्शनी भारत के विभिन्न शहर पुणे, थाणे, भोपाल, चंडीगढ़, कुल्लू सहित सियोल (दक्षिण कोरिया) में सेहो आयोजित भेल। अगस्त 2016 मे स्वीडेन में हिनक कला प्रदर्शनी प्रस्तावित अछि।
मिथिलांचल बेटी इंदु के जन्म पटना मे भेल। ओ असम के गुवाहाटी विश्वविद्यालय सँ राजनीति शास्त्र मे स्नातकक उपाधि हासिल कयलनि। कला हुनक एकटा नैसर्गिक प्रतिभा छनि, जाहिमे ओ कोनो औपचारिक शिक्षा हासिल नहि कयलनि अछि। पाटलिपुत्रक ऐतिहासिक, कामाख्या के धार्मिक आ’ मिथिलाक सांस्कृतिक महत्त्वक साझा विरासत इंदुक कला कंे एक अवचेतन दिशा दैत अछि। इंदु के चित्र दर्शकसभ मे शांति आ’ सर्जनाक भाव लबैत अछि।
श्रीमती इंदु मिश्रक पति हर्षनाथ मिश्र सेल में अधिकारी छथि। दूटा बच्चाक माय इंदु अपना कंे पहिले गृहिणी आ’ तकर बाद कलाकारक रूप मे देखैत छथि। इंदु अपन वैवाहिक जीवनक आरंभिक वर्ष अपन पुत्रद्वय अवनीश आ’ अक्षित मिश्रक लालन-पालन कंे देलनि। इंदु अपन प्रतिभाक विकासक श्रेय पति हर्षनाथ मिश्र, पुत्र अवनीश व अक्षित मिश्रक प्रोत्साहन आ’ समर्थन तथा चित्रकार शिक्षक विश्व रिकाॅर्डधारी मोहन आजादक कुशल मार्गदर्शन कंे दैत छथि।
श्रीमती इंदु मिश्र कहैत छथि जे पेंटिंग हुनक सभसँ पैघ हाॅबी अछि। कला कलाकारक सोच के अभिव्यक्ति दैत अछि। कला तनाव मुक्तिक सेहो एकटा पैघ साधन अछि। नव क्रिएशन आत्म संतुष्टि सेहो दैत अछि। इंदु कहैत छथि जे कलाक विकासक लेल मैट्रो जकां झारखंडक प्रमुख शहर सभ मे सेहो आर्ट गैलरी होबक चाही।



