- पं. चेतन जोशी के बांसुरीवादन सँ मंत्रमुग्ध भेलाह श्रोता
![]() |
| समूहगीतक प्रस्तुति दैत बच्चासभ |
बोकारो (झारखंड)। दिल्ली पब्लिक स्कूल मे पाँच दिवसीय संगीत कार्यशाला ‘समवेत-2’ के आयोजन कएल गेल। दिल्ली सँ आयल प्रसिद्ध बाँसुरीवादक पं. चेतन जोशी एहि संगीत कार्यशाला मे बच्चासभकें समूहगीत के बारीकीसभसँ अवगत करओलनि। पं. जोशी बच्चासभकें मंत्र, रसखान आ’ आलम के सवैया, एक जीवन मुखी गीत व दुष्यंत कुमारक गज़ल ‘मैं जिसे ओढ़ता बिछाता हूँ...’ गाबक प्रशिक्षण देेलनि। एकर अलावा ‘वेणुगूंज’ बाँसुरी के एकटा प्रायोगिक कार्यशाला सेहो आयोजित भेल, जाहिमे कक्षा 7 के ओहन 8टा विद्यार्थी शामिल भेलाह, जे पहिले कहियो बाँसुरी नहि बजओने छलाह। एहि बच्चासभकें पं. जोशी 3टा अलंकार आ’ एकटा गीतक अभ्यास करओलनि।
![]() |
| उपस्थित उपायुक्त राय महिमापत रे, डीपीएस के संस्थापक प्राचार्य डाॅ एम एस त्यागी, वर्तमान निदेशक व प्राचार्या डाॅ हेमलता एस मोहन व अन्य। |
कार्यशालाक समापन के अवसर पर प्रतिभागी विद्यार्थीसभ विद्यालय के काली दास कला भवन मे आयोजित कार्यक्रम मे अपन प्रस्तुतिसभ सँ सभकें आनंदित कयलनि, ओतहि बाँसुरीवादक पं. चेतन जोशी बाँसुरी के तान छेड़िकऽ सभकें मंत्रमुग्ध कऽ देलनि। ओ अपन बाँसुरीवादन मे राग हंसध्वनि के प्रस्तुतिक बाद दूटा बंदिश रुपकताल व तीनताल मे सुनओलनि। तकरबाद डीपीएस बोकारो के गीत ‘आया है नया सवेरा...’ के धुन के मनोहारी प्रस्तुतिक बाद राग खमाज मे धुन सुनाकऽ सभकें मंत्रमुग्ध कऽ देलनि। हुनक अंतिम प्रस्तुति मे कतेको अन्य धुनक समिश्रण बहुत प्रभावकारी रहल। कार्यक्रम मे तबला पर निमेश राठौर, भास्कर रंजन डे, बाँसुरी पर समीर सेन, साईड रिद्म पर विवेक पाठक तथा गिटार पर मृत्युंजय भट्टाचार्य साथ दऽ रहल छलाह। एहि अवसर पर बोकारो के उपायुक्त राय महिमापत रे, डीपीएस बोकारो के संस्थापक प्राचार्य डाॅ एम एस त्यागी, हुनक धर्मपत्नी सुनीता त्यागी, एनसी जिंदल पब्लिक स्कूल, नई दिल्ली के प्राचार्य डाॅ डी के पांडेय, डीपीएस बोकारो के निदेशक व प्राचार्या डाॅ हेमलता एस मोहन, बीएसएल के महाप्रबंधक (नगर सेवाएं) राजवीर सिंह, बीएसएल के पूर्व महाप्रबंधक श्याम मोहन, ‘यशपत्र’ के संपादक एन मुरलीधरन, डीपीएस बोकारो के एडिशनल प्रिंसिपल परमजीत कौर, हेडमिस्ट्रेस प्रतिमा सिन्हा, पी. शैलजा जयकुमार व डाॅ मनीषा तिवारी सहित अन्य शिक्षक, विद्यार्थी आ’ हुनक अभिभावक उपिस्थत छलाह।


