नव-चेतना समारोह 15 अगस्त के रिषड़ा मे - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

बुधवार, 10 अगस्त 2016

नव-चेतना समारोह 15 अगस्त के रिषड़ा मे


पश्चिम बंगाल : हूगली जिला अन्तर्गत रिषड़ा मे सब बरखक तरहें अहू बेर मिथिला नव-चेतना समिति अपन अष्ठम् स्थापना दिवस मनाओत। 

कार्यक्रम दू सत्र में बाँटल गेल अछि
प्रथम सत्र मे समिति द्वारा प्रकाशित वार्षिक स्मारिका "नव-चेतना" क ६ ठ्म अंक के विमोचन,   वरिष्ठ साहित्यकार श्री उमाकान्त झा "बक्सी" जी'क रचित पहिल मैथिली कविता संग्रह "आखरि-आखरि प्रीत" क विमोचन, एवं वर्ष २०१६-१७ केर कार्य-कारिणि सदस्यक औपचारिक उद्घोषना आ विद्वत भाषण-अभिभाषण।

दोसर सत्र में आयोजित अछि 
भव्य आ क्षमटगर कवि-सम्मेलन। जाहि मे कोलकाताक कवि सब अपन कविता सुनौताह । 

कार्यक्रम बेरुपहर ३ बजे सँ प्रारम्भ होयत, स्थान "रुपसी बांगला" खाबार-घर के उपरका तल्ला मे आयोजित होयत।  (रिषड़ा स्टेशन के नजदीक )

Post Top Ad