जानकी सेवा संघ मनाओलक मैथिली अधिकार दिवस - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 29 दिसंबर 2016

जानकी सेवा संघ मनाओलक मैथिली अधिकार दिवस


बंगाल : (25 दिसंबर 2016) हुगली जिला अन्तर्गत कोननगर मे जानकी सेवा संघ द्वारा द्विदिवसीय मैथिली अधिकार दिवस मनाओल गेल। पहिल दिन अष्टयाम एवम दोसर दिन अतिथि सम्मान आ सांस्कृतिक कार्यक्रम के आयोजन कायल गेल। 

दोसर दिनक कार्यक्रम गोसाउनि गीत स प्रारम्भ भेल, कार्यक्रम के विधिवत उद्घाटन समाजसेवी श्रीमान युगल किशोर झा दीप प्रज्वलित क केलनि, उपस्थित अतिथि विद्यापतिक प्रतिमा पर पुष्पांजलि केलनि।  संस्था तरफ स अतिथि लोकनि के पाग आ दोपटा ल सम्मानित कायल गेल। अभिभाषण क्रम में उपस्थित अतिथि अपन उदगार व्यक्त केलनि। 

आकाशवाणी के पत्रकार श्रीमान मणिकांत झा जी सेहो सम्मानित भेलाह, एवम ओ अपन मणि श्रृंखला के कविता सब श्रोता के सुनेलनि। 

संस्था के अध्यक्ष राजकुमार झा सेहो सम्मानित भेलाह। 

युगल किशोर झा : अपन संस्कार आ संस्कृति के लेल जागरूक हेवाक आवश्यक अछि, ख़ास क गृहणी लोकनि स निवेदन जे अपन बच्चा के विशेष रुपे अपन संस्कार-संस्कृति स अवगत करवाक चाही। 

साहित्यकार चंद्रेश : अपन कविता के माध्यम स उदगार दैत कहलनि जे जँ प्राथमिक स्तर पर मैथिली नहि तहन उच्च शिक्षा मे मैथिली कोना ? साहित्यकार उपेक्षित रहितों, हिनके बल पर मैथिली बाँचल अछि। 

हास्य कवि जयप्रकाश चौधरी जनक : कोन्नगर में उपस्थित मैथिल के देख कहलनि जे हम जँ एहिठाम रहितौ त सब के दियादि लगा दैतियै।  

नविन चौधरी : जानकी मिथिला के गर्व छथि, आ हम सब गर्व करि जे हम सब मैथिल छी।  

साहित्यकार राम लोचन ठाकुर : मैथिली दिवस मनेबाक तात्पर्य ? ई बुझेबाक जे मैथिली हमर भाषा अछि, साहित्य अकादमी के बारे में कहलनि जे कोलकाता एखनो बाल एवं अन्य पुरस्कार स बंचित अछि। 

दोसर सत्र मे पवन नारायण आ स्वेता रानी के मधुगर आवाज श्रोता के आनंदित करैत रहल। पवन नारायण के ई गीत श्रोता के खूब पसिन पड़ल." मै गे जिनगी के नै छै ठेकान, .   बीच -बीच  मे जनक जीक व्यंगात्मक कविता लोक के खूब नीक लागल। 

मंच सञ्चालन मणिकांत झा केलनि। 

Post Top Ad