फेर दहेजक बलि चढ़ल मिथिलाक एगो बेटी! - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

मंगलवार, 7 नवंबर 2017

फेर दहेजक बलि चढ़ल मिथिलाक एगो बेटी!

>> बेगूसराय केर बेटीक कोलकाता मे झड़कि क मृत्यु 
>> सासुरक लोक पर दहेजक लेल हत्याक आरोप 
>> पति आ ससुर केँ पुलिस कयलक गिरफ्तार
कोलकाता/बेगूसराय. बियाहक बाद सासुर मे पांच साल सँ प्रताडनाक शिकार मिथिलाक बेगुसरायक बेटी विगत 31 अक्तूबर केँ कोलकाता स्तिथ सासुर मे झड़कि गेल. चिकित्साक दौरान एमआर बांगुर अस्पताल मे हुनकर मृत्यु भ गेल. घटना फुलबागान इलाकाक नारकेलडांगा मेन रोडक अछि. मरल बचियाक नाम पिंकी मलिक (28 साल ) अछि.
 ओ  बिहारक बेगुसरायक बीएमपी आर्ट कैंपस लग फैमिली क्वार्टरक रहय वाली छलीह. बेटीक मृत्युक खबरिक बाद मृतकक पिता दिलीप मलिक अपन जमाय साजन मलिक आ ससुर राज कुमार मलिक केर विरुद्ध सासुर मे अत्याचार, बेटी केँ जान सँ मारबाक साजिश रचबाक शिकायत फुलबागान थाना मे दर्ज करौलनि. जकरा बाद पुलिस लड़का आ लड़का केर बाप केँ गिरफ्तार क लेलक अछि.
की छल मामिला
मृतकक भाई संजय मलिक बतओलनि जे हुनकर बहिनक बियाह केएमसी केर अस्थायी कर्मचारीक तौर पर कार्यरत साजन मलिक सँ साल 2010 मे भेल छल. बियाहक बाद रणवीर, रंजीत, छुटकी एवं माही नाम केर  दू  बेटा आ दू बेटी भेल. मुदा बियाहक दू साल बादे हुनका बहिनक सासुर मे प्रताड़नाक क्रम शुरू भ गेल. हुनका  सासुर सँ लोक लगातार नैहर सँ टाका अनबाक मांग करय लागल. कहियो संभव होयबा पर टाका देल जाइत छल, कहियो असमर्थताक बात कहि देल जाइत छल.
एहि मामिला मे कोलकाता पुलिसक अतिरिक्त पुलिस आयुक्त (5) सह संयुक्त आयुक्त (अपराध) विशाल गर्ग केर कहब छनि जे मृत्युक पहिने पीड़िता बयान देलक अछि जे स्टोव फटला स ओ झडकल. पीड़िता ककरो दबाव मे इ  बयान देने छलीह वा अपना मरजी स? घटनास्थलक जांच क एकरा पाछुक सत्यता केर पता लगयबाक प्रयास भ  रहल अछि. एहि घटना मे पीड़िताक नैहर दिस सॅ भेटल शिकायतक आधार पर पति आ ससुर केँ गिरफ्तार कयल गेल अछि. 

Post Top Ad