3 दिन धरि मनाओल जाएत सुशासन दिवस केर रूप मे वाजपेयीक जन्मदिन – गोपालजी ठाकुर - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 21 दिसंबर 2017

3 दिन धरि मनाओल जाएत सुशासन दिवस केर रूप मे वाजपेयीक जन्मदिन – गोपालजी ठाकुर

दरभंगा: भाजपा कार्यालय मे जिला कार्यकारी मंडलक बैसार के सम्बोधित करैत बिहार प्रदेश उपाध्यक्ष गोपाल जी ठाकुर बजलाह जे- आगामी 24,25 आ 26 के भाजपा वाजपेयी जीक जन्मदिन कें सुशासन दिवस केर रूप मे मनाओल जाएत. ठाकुर वाजपेयी जीक उपलब्धि स्मरण दियबैत बजलाह जे- मिथिला अटल बिहारी वाजपेयी के प्रति सदैव कृतज्ञ रहत. ओ अपन प्रधानमंत्रित्व काल मे हमरा लोकनिक मातृभाषा मैथिली कें अष्टम सूची मे स्थान द गौरवान्वित कएने छलथि. ओ प्रधानमंत्री ग्राम सड़क योजनाक माध्यम सं देश कें गाम के जोरबाक लेल काज कएने छलथि.

Post Top Ad