सहरसा. सहरसा मे आइ सड़क दुर्घटना सं तमसायल लोक बस मे आगि लगा देलक. जनतबक अनुसार मधेपुरा सं आबि रहल बस शहरक पॉलिटेक्निक इलाका लग छात्र केँ पिचि देलक.
एहि धक्का मे छात्र गंभीर रूपे घायल भ गेल जकरा लगक लोग इलाजक लेल निजी नर्सिंग होम मे भर्ती करोलनि. एहि घटना सं आक्रोशित लोक, बस केँ आगि लगा देलक. बस जरि क छाउर भ गेल.
घायल छात्रक नाम मुकेश कुमार राय अछि जे सुपौल जिलाक बीरपुर अनुमंडलक भीमपुर का रहयवला अछि.