बोकारो (अरुण पाठक)। मैथिली भाषीसभक प्रतिष्ठित संस्था मिथिला सांस्कृतिक परिषद्क इकाई मिथिला महिला समितिक वनभोज सह मिलन समारोह रविदिन (17 दिसंबर 2017) सिटी पार्क मे आयोजित भेल। एहि कार्यक्रम मे स्त्रीगण मनोरंजक खेल व विभिन्न पकवानक आनंद लेलनि। आयोजन मे मिथिला महिला समितिक अध्यक्ष अमिता झा, कोषाध्यक्ष प्रीति राय सहित शीला मिश्रा, रश्मि रेखा, इंदिरा झा, जयंती पाठक, स्पंदन झा, अलका झा, आशाझा, सुशीला यादव, आभा झा, किरण झा, नूतन झा, पूनम सिंह, भारती झा, कंचन झा, आशा दास, लीला झा, पूनम मिश्रा, रीता झा, चंदा, सविता, रुबि ठाकुर, पुष्पा, कुमकुम, उषा झा, संगीता मिश्रा आदिक सक्रिय सहभागिता रहल। अध्यक्ष श्रीमती अमिता झा बतओलनि जे समिति मिथिलाक कला-संस्कृति कंे आगू बढ़ाबक संगहि समाज सेवाक क्षेत्र मे सक्रिय अछि। अगिला वर्ष मिथिला महिला समिति अपन रजत 25म वर्ष मे प्रवेश करत। एहि उपलक्ष्य मे विशेष कार्यक्रमक आयोजन होयत।