मिथिलाक लाल कयलनि कमाल: अंडर 19 विश्व कप मे अनुकूल राय केर शानदार गेंदबाजी, भारतक लगातार दोसर जीत - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

मंगलवार, 16 जनवरी 2018

मिथिलाक लाल कयलनि कमाल: अंडर 19 विश्व कप मे अनुकूल राय केर शानदार गेंदबाजी, भारतक लगातार दोसर जीत


आजुक दिन मिथिलांचलक युवा लोकनिक लेल प्रेरणादायक दिन कहल जा सकैत अछि. समस्तीपुरक रोसरा केर भिरहा गामक आ अंडर 19 विश्व कप टीम इंडिया मे चुनल गेल गेंदबाज अनुकूल राय द्वारा शानदार पांच विकेट लेबा सँ  टीम इंडिया आईसीसी अंडर-19 विश्व कप मे लगातार दोसर जीत दर्ज कयलक. पांच विकेट लेबय वला अनुकूल रॉय मैन ऑफ द मैच रहलाह, जाहि सँ ओ संपूर्ण मिथिलांचलवासी केँ सेहो गौरवानिवत कयलनि अछि. मिथिलाक लाल केर घातक गेंदबाजीक सोंझा पापुआ न्यू गिनी टीम मात्र 64 रन पर समटा गेल। लेफ्ट आर्म स्पिनर अनुकूल रॉयक अंडर-19 वर्ल्ड कप मे इ सर्वश्रेष्ठ प्रदर्शन अछि। ओ 6.5 ओवर मे 14 रन द 5 विकेट लेलनि।

Post Top Ad