''सुशाशन'' मे बढ़ल अपराधीक मनोबल! घर मे ढुकि क पुतोहु केँ बान्हि, आँखिक सोझां क देलक सासु केर हत्या - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 8 फ़रवरी 2018

''सुशाशन'' मे बढ़ल अपराधीक मनोबल! घर मे ढुकि क पुतोहु केँ बान्हि, आँखिक सोझां क देलक सासु केर हत्या


समस्तीपुर.मिथिलांचल क्षेत्र मे लगातार बढ़ैत अपराधी सभ केर मनोबल कोनो अनहोनी दिस इशारा करैत अछि? किएक त महागठबंधन से अलग होयबाक बाद बिहार मे सुशाशन बाबू केर नाम स प्रसिद्ध मुख्यमंत्री नितीश कुमार केर दोबारा सत्ता मे अयबाक बाद एहि बेर अपराध अपना रिकॉर्ड स्तर के तोड़ैत नजरि आबि रहल अछि. अपराधी लोकनि केर बढ़ैत मनोबल केर अंदाजा एहि बात स लगाओल जा सकैत अछि जे अपराधी घर मे ढुकि महिला के बन्हक बना चाकू स नृशंश हत्या क द रहल अछि. इ मामिला समस्तीपुर मे घटल.  समस्तीपुर मे अपराधी सभ घर मे ढुकि क एक महिलाक हत्या क देलक. एहि बीच अपराधी सभ महिलाक पुतोहु केँ बान्हि देलक. घटना जिलाक मोहिउद्दीन नगर इलाकाक अछि. अपराधी सभ महिलाक चाकू सं भोकि क हत्या क देलक.
आश्चर्यक गप्प इ अछि जे अपराधी  सभ घर मे ढुकि क एहि  घटना केँ अंजाम देलक. मोहिउद्दीन नगरक सिवैसिंगपुर गांव मे भेल एहि घटनाक बाद हत्याक कारणक पता नहि लागि सकल अछि. पुलिस लहाश केँ कब्जा मे ल लेलक अछि आ तत्काल मामिलाक जांच क रहल अछि.

Post Top Ad