जोधपुर : अभिनेता सलमान खान केँ काला हिरण शिकार मामिला मे अंततः बेल भेटि गेल. माने पछिला 2 राति सँ जोधपुर सेंट्रल जेल मे कैदी नंबर 106 बनि क रहि रहल सलमान खान आइए जेल सँ बाहर आबि जएताह. सलमान खान केँ 50,000 टाकाक जमानत राशि आ 25-25 हजारक निजी मुचलका पर बेल देल गेल अछि. हुनका सशर्त बेल दैत कोर्ट कहलक जे ओ बिना अनुमतिक देश सँ बाहर नहि जा सकैत छथि, संगहि 07 मई, 2018 केँ कोर्ट मे व्यक्तिगत रूप सँ हाजिर रहबाक आदेश देलक अछि.