पटना. बिहार विद्यालय परीक्षा समिति आइ मैट्रिक आओर इंटर केर परीक्षाक परिणामक तारीख घोषित क देलक अछि. बोर्डक अध्यक्ष आनंद किशो वार्षिक माध्यमिक एवं इंटरमीडिएट परीक्षा, 2018 केर परीक्षाफलक प्रकाशनक तिथि केर घोषणा कयलनि. ओ बतओलनि जे इंटरमीडिएट वार्षिक परीक्षा, 2018 केर परीक्षाफलक घोषणा 07 जून, २०१८ केँ आ वार्षिक माध्यमिक परीक्षा, 2018 केर परीक्षाफलक घोषणा 20 जून, 2018 केँ कयल जाएत. ओ कहलनि जे इंटरमीडिएट वार्षिक परीक्षा, 2018 केर रिजल्ट प्रोसेसिंगक काज अंतिम चरण मे अछि, जकरा बाद परीक्षाफलक घोषणा समिति द्वारा कायल जायत. ज्ञातव्य होअय जे बिहार मे मैट्रिक-इंटरक परीक्षा परिणाम सभ साल मई केर अंतिम सप्ताह धरि आबि जाइत अछि.