मोदी सरकारक फायर ब्रांड मंत्री बदललनि अपन नाम - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

मंगलवार, 25 सितंबर 2018

मोदी सरकारक फायर ब्रांड मंत्री बदललनि अपन नाम


मोदी सरकार मे मंत्री आ नवादा सँ बीजेपीक सांसद गिरिराज सिंह अपन नाम बदलि लेलनि  अछि. बीजेपीक इ फायरब्रांड नेता अपन नामक आगू शाण्डिल्य लगा लेलनि अछि, जे हुनक  गोत्र छनि. एहि केर बाद ओ आब शाण्डिल्य गिरिराज सिंहक नाम सँ जानल जयताह. गिरिराज सिंह एहि बातक जनतब अपन ट्विटर हैंडल सँ सेहो देलनि अछि.
गिरिराज लिखलनि अछि- देश बचेबाक लेल सनातन केँ बचबय पड़त आ सनातन केँ बचेबाक लेल हमरा अपन ऋषि मुनिक बाट पर चलय पड़त, अपना गोत्रक संग स्वयं केँ जोड़य पड़त. आइ सँ हम अपन नाम ऋषि शांडिल्य जी केर नाम सँ जोड़ैत शांडिल्य गिरिराज सिंह करैत छी. अहूँ सभ सनातनी अपना नामक संग अपन गोत्र जोड़ी.

Post Top Ad