बिहार पुलिस केर सिपाही आब सोझे नहि बनि सकताह एएसआइ! - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 25 अक्तूबर 2018

बिहार पुलिस केर सिपाही आब सोझे नहि बनि सकताह एएसआइ!


आब बिहार पुलिस मे सिपाहीक प्रोन्नतिक स्तर बदलल जा सकैत अछि. एकरा ल' क' पुलिस मुख्यालय पैघ स्तर पर प्रयास शुरू क' चुकल अछि. सिपाही केँ सहायक अवर निरीक्षक (एएसआइ) सँ पहिने हवलदार बनय पड़त. एकरा बाद एएसआई पोस्ट मे प्रोन्नति देल जायत. प्रस्ताव पर सैद्धांतिक सहमति बनि गेल अछि.
पुलिस मुख्यालयक सूत्रक अनुसार, तत्काल बिहार पुलिस मे दू तरहक सिपाही अछि - मैट्रिक पास साक्षर सिपाही ओ नॉन मैट्रिक असाक्षर सिपाही. जे साक्षर सिपाही छथि, हुनका विशेष प्रशिक्षण (पीटीसी ट्रेनिंग) केर बाद सोझे एएसआइ पोस्ट मे पठा देल जाइत अछि, जखनकि असाक्षर सिपाही केँ हवलदार पोस्ट मे प्रोन्नति देबाक नियम अछि. नव व्यवस्था लागू होयबाक बाद सभ सिपाही केँ एएसआई बनय सँ पहिने आब हवलदार बनय पड़त. 

Post Top Ad