पटना सँ रोसड़ा आबि रहल बस दुर्घटनाग्रस्त, 7 गोटेक मृत्यु, 30 सँ बेसी घायल - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शुक्रवार, 26 अक्तूबर 2018

पटना सँ रोसड़ा आबि रहल बस दुर्घटनाग्रस्त, 7 गोटेक मृत्यु, 30 सँ बेसी घायल


एगो अत्यंत्य दुखद खबरि भेटि रहल अछि. आइ पटना सँ रोसड़ा आबि रहल 'दरबार रथ' बस दुर्घटनाग्रस्त भ' गेल अछि. बताओल जा रहल अछि जे इ बस 11:26 बजे दिन मे पटना सँ रोसड़ा लेल खुजल छल आ अगमकुआं लग  दुर्घटनाग्रस्त भ' गेल.
एहि दुर्घटना मे खलासी समेत 7 लोकक मरबाक सूचना भेटल अछि संगहि 30 गोट सँ बेसी  घायल बताओल जा रहल अछि. घायल लोकनि केँ अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि. कहल जा रहल अछि जे बिजलीक तार बस पर खसि पड़ल, जाहि सँ इ दुर्घटना भेल अछि. दुर्घटनाक बाद पटना केर एसएसपी मन्नू महाराज घटनास्थल पर मौजूद छथि. राहत काज जारी अछि. ड्राइवर द्वारा अनियंत्रित भ' गाड़ी केर 15 फिट खाधि मे उनटबाक बाद घटनाक संबंध मे पटनाक एसएसपी बतओलनि जे हादसा कोना भेल, इ अनुसंधानक विषय अछि. घटनास्थल पर लागल सीसीटीवीक जांच कयल जायत. एकरा बाद घटनाक कारणक पता चलि सकत.

Post Top Ad