बिहारक पूर्व मंत्री मंजू वर्माक पति चंद्रशेखर वर्मा कयलनि कोर्ट मे सरेंडर - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

सोमवार, 29 अक्तूबर 2018

बिहारक पूर्व मंत्री मंजू वर्माक पति चंद्रशेखर वर्मा कयलनि कोर्ट मे सरेंडर


बिहारक पूर्व मंत्री मंजू वर्माक पति चंद्रशेखर वर्मा आत्मसमर्पण क' देलनि अछि. मंजू वर्माक पतिक नाम बिहारक चर्चित मुजफ्फरपुर शेल्टर होम केस मे सोझा आयल छल आ हुनका उपर आरोप लागल छल. आर्म्स एक्ट केस मे नाम अयबाक बाद सँ तत्कालीन मंत्री मंजू वर्माक पति लगातार फरार चलि रहल छलाह.
आइ मंत्रीक पति बेगूसरायक मंझौल न्यायालय मे आत्मसमर्पण कयलनि. चंद्रशेखर वर्माक नाम शेल्टर होम केस मे अयबाक बाद बिहारक समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्मा केँ इस्तीफा देबय पड़ल छल. मुजफ्फरपुर मे 34 टा बच्चा सँ रेपक काण्ड सोझा अयबाक बाद ब्रजेश ठाकुर सँ समाज कल्याण मंत्री मंजू वर्माक पति चंद्रशेखर वर्माक करीबी सोझा आयल छल. 

Post Top Ad