हाय रे व्यवस्था! दरभंगाक डीएमसीएच मे नेन्ना केँ कटलक मूस, भेल मृत्यु - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

मंगलवार, 30 अक्तूबर 2018

हाय रे व्यवस्था! दरभंगाक डीएमसीएच मे नेन्ना केँ कटलक मूस, भेल मृत्यु

मामिला दरभंगाक डीएमसीएच् केर शिशु रोग विभागक अछि 

दरभंगा : बिहार मे एक बेर फेर सँ सरकारी अस्पतालक नाकामी उजागर भेल अछि. अहाँ केँ सुनिए क' अजगूत लागत जे दरभंगा स्थित डीएमसीएच अस्पताल मे मूस एगो नवजातक प्राण ल' लेलक. जनतबक अनुसार, नवजात बच्चा मधुबनी जिलाक पंडौलक छल. इलाजक लेल ओकरा  डीएमसीएच अस्पतालक शिशु विभाग मे भर्ती कराओल गेल छल.
बच्चाक खराप स्तिथि देखैत ओकरा एनआईसीयू मे भर्ती कयल गेल जतय बीतल राति मूस बच्चाक हाथ ओ पैरक आँगुर केँ चिबा क' ओकरा खा गेल आ बच्चा मरि गेल. एहि घटनाक बाद सँ मृतक बच्चाक परिवारक लोकनिक कनैत कनैत हालति खराप अछि. परिजनक आरोप अछि जे मूस काटबा सँ बच्चा मरि गेल. मामिला अस्पतालक शिशु रोग विभागक अछि. जाहि बच्चा केँ मूस कटलक ओ पछिला 9 दिन सँ एहि अस्पतालक एनआईसीयू मे भर्ती छल.
ओतहि अस्पतालक डॉक्टर सेहो एनआईसीयू मे मूस होयबाक बात मानलनि अछि मुदा ओ इहो कहलनि अछि जे बच्चाक मौतक कारण मूसक काटब नहि थिक. एहि घटनाक बाद सँ  ओहि अस्पताल मे मौजूद आनो रोगी सभ कहलनि जे एहि ठाम चारु कात मूस दौड़ैत रहैत अछि आ मौका भेटिते लोक केँ सेहो काटि लैत अछि. आब सवाल उठैत अछि जे बच्चाक मृत्यु त' भेल अछि, के अछि एकर जिम्मेदार?

Post Top Ad