दरभंगा डेस्क
दरभंगा - दरभंगा के बहादुरपुरक जोगियारा के मूल निवासी हर्षित सौमित्र मात्र पांच साल 11 महीना क उम्र मे कारी पत्थर आ माउंट एवरेस्ट बेस कैंप धरि चढ़ी के सब स कम उम्रक पर्वतारोही बनै के विश्व रिकॉर्ड अपन नाम कयलक अछि। ई सफलता १८ अक्टूबर के हासिल कयलक।
हर्षित १८ अक्टूबर के ५,५५० मीटर ऊंचाई वाला कारी पत्थरक चोटी पर गेल छल। एही स एक दिन पहिले ओ ५,३६४ मीटर ऊंच माउंट एवरेस्ट के बेस कैंप धरि पहुँचल छल। एही तरहे ओ सब स कम उम्रक पर्वतारोही बनि गेल। दिल्ली के जीडी गोयनका स्कूल मे पहिल कक्षा के छात्र हर्षित के पिता राजीव सौमित्र सेहो जानल-मानल पर्वतारोही छथि। हुनका स प्रेरित भ हुनक बेटा एहन काज करै के ठनलक।
हर्षित सौमित्र के माता-पिता दुनियाक सब स ऊंच चोटी माउंट एवरेस्ट के बेस कैंप धरि पहुंचै वला सब स कम उम्र के पर्वतारोही बनै के बाद अपन बेटाक नाम गिनीज़ बुक ऑफ वर्ल्ड रेकॉर्ड्स आ लिम्का बुक ऑफ रेकॉर्ड्स मे दर्ज करबै चाहैत छैथ। एही स पहिले सेहो ई रिकार्ड एकटा भारतीयक नाम रहल अछि। सात सालक भारतक आर्यन बालाजी माउंट एवरेस्ट के बेस कैंप पर पहुंचल छल। मुदा हर्षित ओहि रिकॉर्ड के तोरि देलक।
हर्षित के पिता राजीव सौमित्र दिल्ली मे एकटा कोचिंग सेंटर चलबैत छैथ। ओ मूल रूप स भूगोल के शिक्षक छथि। राजीव सेहो पर्वतारोहण मे देश के लेल कएकटा रिकार्ड बना चुकल छथि।
