हावड़ा - बेलूड़ स्थित मिथिला सेवा समिति चेरिटेवल ट्रस्ट द्वारा रक्तदान शिविर के आयोजन कायल गेल। एहि कार्यक्रम के उद्घाटन युवा उद्योगपति जीवेन्द्र मिश्र केलनि। लगातार दस साल सॅ समाजीक सरोकार हेतु ई शिविर लगाओल जायत अछि। अहुबेर लगभग सैकड़ो लोक रक्तदान केलनि। एहि बेर युवा आ महिला सब के रक्तदान के प्रति उत्साह बेष रमनगर लागैत छल। व्यकतव्य राखैत जीवेन्द्र मिश्र कहलनि जे एहि तरहक आयोजन गाम धरि जेबाक चाहि। जाहि स रक्तदान क प्रति भ्रम लोकक टुटत। उपस्थित अतिथि दत्ता बाबु कहलनि जे ई एकटा एहन संस्था अछि जे राजनीति स दुर अछि। आ सदिखन समाजीक क्रिया-कलाप के कार्य करैत अछि। रक्तदान के महत्व बुझि कंचन मिश्रा नामक धिया रक्तदान क साहसक काज केलक। विदित हो जे कंचन के संग एकटा दुर्घटना भेला सॅ एकरा रक्त के काज पड़ल छल। ट्रस्टक चेयरमैन श्री दिनेश मिश्र सब रक्तदाता के धन्यवाद ज्ञापन केलनि। अहि कार्यक्रम के सफल बनबै मे समिति आ ट्रस्ट के सब पदाधिकारी उपस्थित छलाह । ज्ञातव्य हो जे लायन्स बल्ड बैंक के सहयोग स ई आयोजन कायल जाईत अछि।


