-राकेश सिंह आसनसोल
आसनसोल-विगत दिन आसनसोल केर किसान श्री रामाकांत सिंह जे कि मोहिसिला मे रहैत छैथ, अप्पन पुरा परिवार केर संग खेती बारी कय जीवन यापन करैत छथि ! मुदा गत रवि दिन हिनकर घर सहित खेत मे लागल सौदा तिमन-तरकारी के ४ टा बुलडोजर लगा तहस नहस क देल गेल आ लगभग २०० छौड़ा छिपटी लगा क जबरन मारल गेलनि।
हिनकर कसुर बस एतबे छल कि ओ अप्पन जमिन के मालिक के वाजिब हक के लेल किछ बाजि उठलाह ! कारण हिनकर बाप दादा अहि मालिक लग बंधुआ मजदुर रुप काज क खायत छलाह।
इ मुल रुप सं समस्तिपुर केर विभुतीपुर ग्राम केर मजकोठी के रहनिहार छथि। एखन इ घायल अवस्था मे आसनसोल जिला अस्पताल मे इलाज रत्त आ न्याय के मांग क रहल छथि । मुदा एहि मैथिल ब्यक्ति के न्याय लेल कियो आगू नञि आयल। प्रशासन तक इ दबंगई मे साथ देलक ।
