कोलकाता - आगामी ७ दिसम्बर २०१४ दिन के २ बजे सॅ तारासुन्दरी पार्क ,काली कृष्णा टैगोर स्ट्रीट ,कोलकाता में १४ दिवशीय मिथिला महोत्सवक उद्घाटन पश्चिम बंगालक महामहिम राज्यपाल महोदय श्री केशरी नाथ त्रिपाठी करताह। सांस्कृतिक कार्यक्रम मे मुंबई ,दरभंगा ,मधुबनी आर जनकपुर के मैथिल कलाकार के प्रस्तुति २ बजे सॅ होयत। मिथिला विकास परिषद के राष्ट्रीय अध्यक्ष श्रीमान अशोक झाजी कहलनि जे राज्यपाल जीक कार्यक्रम के चलते १ बजे सॅ कार्यक्रमक स्थल पुलिस प्रशासन के अधीन भय जायत । सब स आग्रह जे अपने सपरिवार ,बंधू- वान्धव समय पर आबि कार्यक्रमक सफलता में सहयोग करी ।
कार्यक्रम में भाग लेबाक लेल कार्डक कोनो मूल्य नहि निर्धारित अछि । मुदा राज्यपालक कार्यक्रमक सिक्योरिटी के लेल कार्यक्रम में अयवाक लेल कार्डक प्राथमिकता अछि । कार्डक लेल परिषद के कार्यालय सॅ संपर्क करी। ई पहिल एहन मैथिली आयोजन अछि जाहि मे राज्यपाल उपस्थित रहताह। पहिले सेहो परिषद के कार्यक्रम मे महान कृति सब आबैत रहला अछि।
