कोलकाता डेस्क :
कोलकाता : मिथिला विकास परिषद के तत्वाधान मे सोमदिन 22 दिसम्बर 2014 के मैथिली अधिकार दिवस आ श्रद्धांजलि सभा के आयोजन तारासुन्दरी पार्क में कायल गेल। विदित हो जे मैथिली के संवैधानीक मान्यता 2003 मे भेटल छल। कार्यक्रम के प्रारम्भ गोसाउनि गीत स कायल गेल। उपस्थित अतिथि बाबा यात्री के मूर्ति पर माल्यार्पण केलनि। एहि अवसर पर रंगकर्मी आ पत्रकार कुमार शैलेन्द्र के देहावसान एवं पाकिस्तान में भेल निर्मम हत्या पर दू मिनट के मौन राखल गेल। रूपा चौधरी, आशा झा एवं किरण प्रतिहस्त द्वारा सपथ पाठ कराओल गेल। परिषद के अध्यक्ष अशोक झा मैथिली अधिकार दिवस आ कुमार शैलेन्द्र के देहावसान पर व्यक्तव्य रखलनि। उपस्थित अतिथि साहित्यकार अरविन्द ठाकुर मैथिली अधिकार दिवस आ कुमार शैलेन्द्र के देहावसान पर व्यक्तव्य दैत कहलनि जे अधिकार त पाबि गेलौ मुदा निर्वाह करब आवश्यक अछि, कुमार शैलेन्द्र के चलि गेला स मैथिली के बहुत क्षति भेल अछि, कार्यक्रम के सञ्चालन अंजय चौधरी केलनि, अतिथि अरविन्द ठाकुर जी के परिषद भवन में पाग आ मिथिला पेंटिंग स सम्मान कायल गेल। एहि कार्यक्रम के सफल बनबै में परिषद के विनय प्रतिहस्त, नंदकुमार झा, अरुण झा, कृष्णा चंद झा रसिक, विष्णु देव मिश्र, विनय भूषण, अशोक चौधरी उपस्थित छलाह।