मिथिला सेवा समिति द्वारा अधिकार दिवस आ श्रद्धांजलि सभा के आयोजन - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

बुधवार, 24 दिसंबर 2014

मिथिला सेवा समिति द्वारा अधिकार दिवस आ श्रद्धांजलि सभा के आयोजन


नव मिथिला डेस्क

कलकत्ता/हावड़ा : मिथिला सेवा समिति द्वारा रविदिन 21 दिसंबर  2014 के मैथिली अधिकार दिवस आ कुमार शैलेन्द्र के श्रद्धांजलि सभा केर आयोजन बेलूड़ स्थित विद्यापति भवनमे भेल।  कार्यक्रमक मुख्य अतिथि प्रसिद्ध गजलकार आ  मैथिली दैनिक मिथिला आवाज केर संपादक रहल अरविन्द ठाकुर छलाह।  कुमार शैलेन्द्र संग मिथिला आवाज़ मे बीतल अपन समय आ हुनक व्यक्तित्व पर बेस इजोत देलनि। 

ज्ञात हो जे कुमार शैलेन्द्र केर निधन 16 दिसंबर कें कलकत्ताक विशुद्धानंद अस्पतालमे भ' गेलनि। कुमार शैलेन्द्र विगत कएक मास सँ बीमार छलाह, 50 वर्षीय एहि सक्रिय मैथिली सेवीक मृत्यु समूचा मैथिल समुदाय लेल दुखक विषय अछि। देश भरि मे श्रद्धांजलि सभाक आयोजन चलि रहल अछि। 

दू सत्र मे आयोजित कार्यक्रमक पहिल सत्रमे मैथिली अधिकार दिवस ओ कुमार शैलेन्द्र पर वक्ता लोकनि अपन विचार प्रकट केलनि। ग़ज़लकार अरविन्द ठाकुर, समाजसेवी प्रदीप कुमार झा, पूर्व प्रधान घनश्याम चौधरी, भाष्कर झा, रूपेश त्योंथ, चन्दन कुमार  झा अपन विचार व्यक्त केलनि। अरविन्द ठाकुर कहलनि जे शैलेन्द्र  जिद्दी तरहक लोक छलाह, आ यएह जिद हिनका उत्तम कलाकार, पत्रकार ओ लेखक बनेलक। हुनकामे अजब केर प्रतिभा छलनि।  जहिना नाट्यकर्म मे अपना कें समर्पित केने छलाह, तहिना कोनो विषय पर क्षण भरिमे लिखि सकैत छलाह। हुनक एहि गुण कें मिथिला आवाजमे काज पड़ैत छल। ओ कहलनि जे शैलेन्द्र नै रहलाह से पतियाएब संभव नै भ' रहल अछि, समितिक प्रशंसा करैत कहलनि जे ई मैथिली संस्था कुमार शैलेन्द्र के श्रद्धांजलि सभा के आयोजन क साथर्कता के काज केलक अछि। साहित्यिक सभा में एतेक भीड़ देख हम उत्साहित छी, जे प्रवास में लोक साहित्य के प्रति कतेक सजग छथि।   

भाष्कर झा हिनक नाट्य प्रतिभा दिस इजोत देइत बजलाह जे कुमार शैलेन्द्र मात्र अपनहि नै अभिनय करैत छलाह।  ई अपना पाछा भारी संख्यामे रंगकर्मी लोकनिकें तैयार क' छोडि गेलाह अछि।  हिनक प्रतिभासं मैथिली-मिथिला आओर लाभान्वित भ' सकै छल मुदा से नै भ' सकल. रूपेश त्योंथ रंगकर्मी ओ साहित्यकार लोकनिक सहयोगार्थ समाजकें आगू अयबाक आह्वान केलनि।  ओ कहलनि जे एकटा साहित्यकार, कलाकार अपन सर्वस्व समाज लेल न्योछावर क' देइत अछि आ अंतमे दुःख भोगैत अछि।  हिनक संरक्षण ओ प्रोत्साहनक लेल सामाजिक संस्था सभकें आगू अएबाक चाही।  चन्दन कुमार झा अधिकार दिवस पर अपन बात रखलनि।  सत्रक संचालन प्रसिद्ध रंगकर्मी भवनाथ झा केलनि। 

दोसर सत्रमे भव्य कवि गोष्ठीक आयोजन भेल जाहिमे अरविन्द ठाकुर, बिनय भूषण, अशोक चौधरी, मिथिलेश कुमार झा, अनमोल झा, अजय तिरहुतिया, राजीव रंजन मिश्र, आमोद झा, भाष्कर झा, अमरनाथ भारती, रूपेश त्योंथ, चन्दन कुमार झा, उमाकांत झा बक्शी, विजय इस्सर, राघवेन्द्र झा राघव आदि कवि लोकनि कविता पाठ केलनि . संजय झा केर धन्यवाद ज्ञापन सँ कार्यक्रम संपन्न भेल।  एहि अवसर पर सदन खचाखच भरल छल। श्रोता लोकनि कार्यक्रमक अंत धरि बैसल रहलाह।  कविगोष्ठी केर संचालन बिनय भूषण केलनि। एही कार्यक्रम के सफल बनबै में समितिक सब गोटे उपस्थित छलाह, जाहि में संजय jha, सुमन झा, शैलेश चौधरी, संजीव झा, भरत झा, नविन चौधरी, राजकुमार झा, गोपाल झा, खोजेंद्र झा, उत्तम चौधरी, छलाह।

Post Top Ad