अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मलेन मुम्बई में - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शुक्रवार, 11 दिसंबर 2015

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मलेन मुम्बई में



मुंबई : अगिला २२, २३ दिसंबर 2015 के मुम्बईक उपनगर विरार में "मैथिली अधिकार दिवस" के रूप में अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मलेनक आयोजन एचडीएल मैदान, चन्दनसार, विरार पूर्व में होएत। जाहि में सांस्कृतिक कार्यक्रम, कवि सम्मलेन, प्रभात फेरी, सेमीनार आ विभिन्न भाषा के साहित्यकार के मिथिला रत्न सम्मानोपाधि स सम्मानित कायल जायत। १०१ पंडित द्वारा रूद्र अष्टधययि मंत्रोचारण होयत। जाहि में मुख्य आकर्षण के रूप में पद्मश्री शारदा सिन्हा आ पद्मश्री बॉलीवुड के प्रचलित गायक उदित नारायण झा छथि। कवि लोकनि में सरस जी, जयप्रकाश चौधरी "जनक", मणिकांत झा, चंद्रमोहन परवा आ चंद्रेश संगहि औरो लोक छथि। मुख्य अतिथि में महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री देवेन्द्र फड़नवीस, बिहार के मुख्यमंत्री नितीश कुमार है, सांस्कृतिक कार्यक्रम में मिथिला के सुप्रसिद्ध कलाकार लोकनि में कुंज बिहारी, राम बाबू झा, सुरेश पंकज इत्यादि रहताह। हास्य कलाकार में रामसेवक ठाकुर आ अद्युवानन्द झा रहताह, एवं सञ्चालन संभवतः कमला कान्त झाजी करताह। ई कार्यक्रम महाराष्ट्र मैथिल समाज, मुंबई द्वारा आयोजित अछि। एकटा प्रेस विज्ञप्ति के अनुसार सगरो रही रहल मैथिल स उपाध्यक्ष पंकज झा एहि विशाल कार्यक्रम के सफल बनबै लेल आग्रह केलनि अछि। मिथिला के लगभग सब गायक-कलाकार एहिठाम उपस्थित रहताह। 

Post Top Ad