चंद्रमोहन झा "पड़वा" :
दरभंगा : महाराजा महेश ठाकुर मिथिला महाविद्यालय के तरफ सँ कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा के दू बरखक कार्यकाल पूरा भेला पर अभिनन्दन सह-सम्मानित कायल गेलनि। उपस्थित वक्ता मे पूर्व विधान पार्षद डा. विनोद कुमार चौधरी कहलनि जे कुलपति के दू बरखक कार्यकाल बहुत सराहनीय अछि। हिनक कार्यकाल मे महाविद्यालय मे शैक्षणिक व्यवस्था दुरुस्त भेल अछि। आशा व्यक्त केलनि जे आगूक कार्यकाल मे विकासक गति आरो तेज होयत।
अतिथिक स्वागत करैत महाविद्यालय के सचिव सह-सिंडिकेट सदस्य डा. बैद्यनाथ चौधरी "बैजू" कुलपतिक कार्यकाल के विस्तार स चर्च केलनि। आ हुनक कार्यकाल मे कायल गेल कार्य के सम्बन्ध मे बतौलनि। सिंडिकेटक चुनाव निर्विघ्न संपन्न करवाक हेतु कुलपति के शुभकामना देलनि।
एहि कार्यक्रम मे नव-निर्वाचित अधिषद (सिंडिकेट) सदस्य डा. बैद्यनाथ चौधरी "बैजू", डा. अजीत कुमार चौधरी, समिति सदस्य डा. अनिल कुमार झा, अंकेक्षण सदस्य डा. राम सुभग चौधरी, प्रधानाचार्य सह पदेन अधिषद सदस्य निर्भय नारायण चौधरी, परिषद सदस्य डा. विवेकानंद झा के सम्मानित कायल गेल।
एहि अवसर पर इग्नू के निदेशक समेत डा. रतन कुमार चौधरी, पूर्व विधान पार्षद डा. विनोद कुमार चौधरी के सेहो सम्मानित कायल गेल।
प्राचार्य उदय कांत मिश्रक अध्यक्षता मे भेल सम्मान समारोह के कुलपति एवं सब सम्मानित सदस्य सहित प्राचार्य डा. विद्यानंद झा सम्बोधित केलनि।
एहि कार्यक्रम मे बुचरु पासवान, चन्द्र शेखर झा "बूढ़ा भाई ", हरी किशोर चौधरी, प्रो. परमानन्द झा एवं श्याम किशोर राम उपस्थित छलाह।
