नव मिथिला डेस्क :
सहरसा के बनगाँव निवासी सरोज झा के प्रारंभिक पढाई गामे मे भेलनि, मिडिल स्कूल के पढाई बेगुसराई एवं हाई स्कूल के पढाई पथरगामा में भेलनि, सेंट जेवियर्स स इंटर के पढ़ाई केलाक उपरांत हिनक चुनाव आईआईटी मे भेलनि, सरोज कुमार झा भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान कानपुर स सेहो पढ़ने छथि ।
सरोज कुमार झा के एक फरवरी के विश्व बैंक मे महत्वपूर्ण पद पर भंगुरता (Fragility), संघर्ष (Conflict) आ हिंसा (Violence) समूह के लेल वरिष्ठ निदेशक के रूप मे नियुक्त कायल गेलनि अछि।
सरोज कुमार झा बैंक के अध्यक्ष जिम योंग किमक कमजोर, संघर्ष आ हिंसक मामिला के हल करै मे हुनकर मदति करथिन।
2012 के फरवरी स ल के पछिला सप्ताह धरि अल्माटी मे स्थित मध्य एशिया के लेल विश्व बैंक के क्षेत्रीय निदेशक छलाह।
विश्व बैंक के अध्यक्ष जिम योंग किम हिनका बैंक समूह आ सहयोगिक साथ नजदीकी सहयोग करैत, कमजोरी, संघर्ष आ हिंसा जेहन चुनौति स निपटवाक लेल रणनीतिक नेतृत्व तैयार करबाक कार्यभार देलक अछि।
सरोज कुमार झा भारतीय प्रौद्योगिकी संस्थान (आईआईटी) कानपुर स सिविल इंजीनियरिंग के संग -संग विकास अर्थशास्त्र मे डिग्री प्राप्त केने छथि।
सतत विकास नेटवर्क मे एकटा वरिष्ठ इन्फ्रास्ट्रक्चर विशेषज्ञ के रूप मे २००५ मे विश्व बैंक स जुडल छलाह।
सार्वजनिक क्षेत्र के प्रबंधन, बुनियादी ढाँचाक वित्तपोषण, प्राकृतिक संसाधन के प्रबंधन, प्राकृतिक आपदा रोकथाम आ पर्यावरणीय स्थिरता के क्षेत्र मे एक वरिष्ठ कार्यकारी के रूप मे भारत सरकार आ संयुक्त राष्ट्र विकास कार्यक्रम (यूएनडीपी) के संग महत्वपूर्ण अनुभव छनि।
दुनियाक विभिन्न क्षेत्र मे क्षेत्रीय सहयोग के क्षेत्र मे नवाचारों, सामाजिक सुरक्षा जाल, आ शिकायत निवारण तंत्रक श्रेय सेहो हिनका देल जायत अछि।
आपदा न्यूनीकरण आ वसूली, आपदा निवारण आ बाद आपदा वसूली के संचालन जे आब दुनिया के सब स पैघ वैश्विक कोष अछि, ताहि मे ग्लोबल सुविधा प्रमुख के रूप मे कार्य केने छथि।
कएकटा वैश्विक भयावह आपदाक लेल अंतरराष्ट्रीय प्रतिक्रियाक प्रयासक नेतृत्व केलनि।
नव मिथिला के तरफ स हिनका बहुत रास शुभकामना।


