- 2001 मे साहित्य अकादमी द्वारा अनुवाद पुरस्कार भेटलनि
- माउँबेहट उच्च विद्यालय के संस्थापक सदस्य छलाह।
नव मिथिला ब्यूरो :
दरभंगा/कोलकाता : दरभंगा जिलाक बेनीपुर प्रखंड के तुमौल गाम निवासी साहित्यकार-प्रो सुरेश्वर झा के निधन दरभंगा मे भ गेलनि। एखन हिनक बयस 88 वर्ष छलनि। शैक्षणिक जीवन 1958 स आरके कॉलेज मे राजनीतिशास्त्र के व्याख्याता के रूप मे शुरू केलनि। साहित्य अकादमी सँ दू बेर पुरस्कृत भेलाह , मैथिली साहित्य के चिंतक प्रो. सुरेश्वर झा के निधन सँ मैथिली स्नेही बीच शोकक लहरि अछि। निधनक समाद पसैरते शहर के राजकुमार गंज स्थित हुनक आवास पर लोकक भीड़ लागि गेल ।
नव मिथिला के तरफ सँ श्रद्धांजलि .