नव मिथिला ब्यूरो :
कोलकाता : मिथिला विकास परिषद द्वारा रविदिन परिषदक सभागार
मे होली प्रीति सम्मलेन के आयोजन कायल गेल ।
पूरा परिषद सभागार होली के रंग मे रंगल देखल गेल। उपस्थित कवि लोकनि होलिक रसगर-झमटगर-चहटगर कविता
सब सूना के उपस्थित श्रोता के मोन मोहि लेलनि। व्यंग कवि गोपिकांत झा "मुन्नाजी
" के चहटगर कविता सुनी सब ठुमकैत नज़र
अयलाह । कवि अशोक झा "भोली", कामेश्वर झा "कमल" सेहो
चहटगर कविता पढ़लनि। मिथिला महिला मंच के अध्यक्ष श्रीमती शैल झा उमंग संग ढोल पीटैत
नज़र अयलीह। परिषदक अध्यक्ष श्रीमान अशोक झाजी सेहो होलिक कविता पढ़लनि आ होली पाबनि
के बारे में विस्तार स जनतब देलनि। एहि कार्यक्रम
मे मिथिला महिला मंच आ मिथिला विकास परिषद के सब सदस्य उपस्थित छलाह जाहि मे किरण इस्सर, अंजना इस्सर, विनय प्रतिहस्त, गोपीकांत झा 'मुन्ना,रधुनाथ चैधरी, सुबोध झा, नबो नाथ झा, मदन झा, रमेश झा, पवन ठाकुर आ अंजय चौधरी उपस्थित छलाह। सञ्चालन अंजय चौधरी केलनि। होलिक प्रसिद्द पकवान
मालपुआ प्रसाद के रूप मे सब गोटे ग्रहण केलनि।

