मिथिला मिरर केँ संपादक आ भारत सरकारक सूचना एवं प्रसारण मंत्रालय, दिल्ली मे बतौर पत्रकार कार्यरत्त ललित नारायण झा'क पिताजी श्री राजेन्द्र झा केर मंगलदिन २२ मार्च क भोर करीब १०:४५ (करीब पौने ग्यारह) बजे दिल्ली स्थित हुनकर आवास पर निधन भ गेलनि, ओ ६३ साल केँ छलाह आ विगत किछ समय सं किडनी रोग सं लड़ी रहल छलाह। हुनकर पार्थिव शरीर केँ दिल्ली सं हुनक पैतृक गाम मधुबनी जिलाक मैलाम गाम आनल गेल जतय बुधदिन साँझ मे हुनक अंतिम संस्कार कैल गेलनि। घटनाक बाद दिल्ली मे ललित नारायण झा केँ ओहिठाम मैथिल समाज, राजनेता आ पत्रकार लोकिन बेसरास जुटानी भ गेल। आबै वाला मे डॉ. बीरबल झा, अमर नाथ झा, विमल जी मिश्र, नीरज पाठक, शरत झा सहित बहुत रास गणमान्य लोक उपस्थित छलाह। गाम मे आयोजित शोक सभा मे बीआईटी सिंदरी केँ पूर्व डाइरेक्टर डॉ.चंद्रानंद ठाकुर, भारतीय रेल केँ पूर्व अभियंता प्रमोद कान्त झ उर्फ़ मंगनू झा, विशेश्वर पाठक, दयानन्द मिश्र, दुर्गानन्द झा, रामानंद झा, उदय कान्त मिश्र, उदय शंकर झा (गुरूजी), अशोक झा, सुमंकान्त झा, नारायण झा सहित बहुत रास ग्रामीण आ समांग लोकनि उपस्थित भेलाह। तहिना शारदा सिन्हा, बॉलीवुड अभिनेता नरेंद्र झा, रंजना झा, रूपा झा, धीरेन्द्र प्रेमर्षि, प्रवीण नारायण चौधरी, संजय झा, रामबाबू झा, मुरली धर, ज्ञानेश्वर दूबे, अमरनाथ झा सहित सैकड़ोक संख्यां मे लोक सब शोक संवेदना व्यक्त केलाह। समस्त लोक केँ परिवार केँ सदस्य भगवन झा, अमित झा सुजीत झा, जुली रानी झा आ अभिजीत केँ दिस सं कोटि सह आभार।
