पश्चिम बंगाल : 23 जुलाई (शनिदिन) हावड़ा जिलाक बेलुड़ स्थित 197,पूर्व सापुईपाड़ा, विद्यापति उद्यान, बाली, बेलुड़ मे श्री अशोक चौधरी, (अवकाश प्राप्त हेड मास्टर, विद्यापति विद्या मंदिर) के निवास पर मैथिलीक बरिष्ठ प्रगतिशील साहित्यकार 'श्री तारानंद बियोगी 'जीक सानिध्य मे एकटा विचार गोष्ठी आ काव्य गोष्ठीक आयोजन कायल गेल, जाहि मे कोलकाता के मैथिली साहित्यकार लोकनि उपस्थित भेलाह। सञ्चालन बिनय भूषण जी केलनि। अंजय चौधरी वियोगी जी के बारे मे विस्तार स हिनक लेखन आ साहित्य पर इजोत देलनि। उपस्थित कवि लोकनि वियोगी जी के लिखल आलेख सब पाठ केलनि।
विशेष समाद अतिशीघ्र......................
