अश्विनी झा हेताह अटल मिथिला सम्मान स सम्मानित - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

सोमवार, 1 अगस्त 2016

अश्विनी झा हेताह अटल मिथिला सम्मान स सम्मानित


  • 10 अगस्त के दिल्ली मे लाल कृष्ण आडवाणी करतनि सम्मानित

नव मिथिला डेस्क :
 पश्चिम बंगाल / झारखण्ड : दरभंगा जिलाक सझुआर गाम निवासी मिथिला पुत्र अश्विनी झा के अटल मिथिला सम्मान स सम्मानित कायल जेतनि। 10 अगस्त के दिल्ली के ली मेरिडियन होटल मे आयोजित एकटा सम्मान समारोह मे लाल कृष्ण आडवाणी द्वारा उक्त सम्मान देल जेतनि। अश्विनी झा के अलावा मिथिला समाज स ताल्लुक राखै वाला देशक कएकटा अन्य शख्सियत के उक्त सम्मान देल जेतनि। जाहि मे गायक उदित नारायण, बिंदेश्वर पाठक, शारदा सिन्हा, बीसीसीआइ के मैनेजर सह पूर्व आइपीएस अधिकारी अमिताभ चौधरी, डॉ सीपी ठाकुर आ पांडिचेरी के पूर्व राज्यपाल प्रो. एन एन झा के नाम शामिल अछि। ई सम्मान मुख्य रूप स मिथिला समाज स जुडल हुनका चयन कायल जेतनि। जे समाज के सब क्षेत्र मे आगू बढेबाक महत्ती भूमिका निभेलनि अछि। एहि मे अश्विनी झा के नाम सेहो शामिल कायल गेलनि अछि।

के छथि अश्विनी झा ?
http://www.navmithila.com/2015/12/blog-post.html
अश्विनी झा एखन जमशेदपुर के सुंदरनगर स्थित रैफ बटालियन 106 में सेकेंड इन कमांड के पद पर कार्यरत छथि। एहि स पहिले छत्तीसगढ़ के नक्सल प्रभावित इलाका बस्तर में कार्यरत छलाह। एहिठाम नक्सली घटना मे पीड़ित लोक के लीक स हटि के मदति कयने छलाह। हिनका एहि साल लॉर्ड पॉवेल इंटरनेशनल अवार्ड स सेहो सम्मानित भेलाह। मानवीय मूल्यक अपन कार्य मे समाहित करवाक श्रेणी मे हिनका उक्त सम्मान देल गेलनि। जाहि खबर के मैथिली मीडिया मे "नव मिथिला" प्रमुखता आ सब सं पहिले प्रकाशित केने छल।


Post Top Ad