हावड़ा : कोनो कहबैता ठीके कहने अछि, "रक्तदान-महादान-जीवनदान" . रक्त कोनो कारखाना मे नहि बनैत अछि, ई मात्र दानक चीज़ अछि, संगे मनुष्यक लेल जरुरी सेहो. रक्त बिनु आदमी मरि जाइत अछि। ताहि में जं कोनो मैथिल संस्था रक्त के एकत्रित करवाक कार्य करैत अछि, त ई एकटा बहुत गर्वक विषय अछि। किएक त एखुनका चलन अनुसारे मैथिली संस्था मने गीत-नाद आ विद्यापति पर्व समारोह मात्र लेल बनल गेल संस्था।
ताहि स फराक बंगालक उपनगरीय हावड़ा जिला अन्तर्गत बेलुड़ में स्थापित मैथिल संस्था "मिथिला सेवा समिति" कएक वर्ष सं मैथिल सह अनन्य लोक के रक्त स सहयोग करैत आबि रहल अछि। रक्तक सहयोग हेतु सब साल "स्वेच्छा रक्तदान शिविर " के आयोजन करैत अछि, जाहि में सैकड़ो लोक अपन रक्तदान करैत छैथ।
समिति के सचिव श्रीमान संजय झा जनतब देलनि जे 27 नवम्बर 2016 (रविदिन) प्रातः 9 बजे सँ 1 बजे धरि समितिक भवन 178, पूर्व सपुईपाड़ा, बाली, हावड़ा -711206 मे रक्तदान शिविर आयोजित अछि। जाहि मे इच्छुक लोक रक्तदान क सकैत छी। इच्छुक व्यक्ति ऊपर देल फोटो मे अंकित मोबाइल पर संपर्क क सकैत छी।
