बंगाल मे सशक्त भेल मिथिला स्टूडेंट यूनियन, 27 नवम्बर के युवा के होयत जमघट - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शनिवार, 26 नवंबर 2016

बंगाल मे सशक्त भेल मिथिला स्टूडेंट यूनियन, 27 नवम्बर के युवा के होयत जमघट


नव मिथिला डेस्क :

बंगाल : युवा वर्ग के संस्था सब मे सम्मिलित करवाक हेतु मैथिल संस्था सब बहुत तरहक प्रयास करैत छैथ, मुदा मैथिल युवा अपन भाषा, अपन माटि-पानि स दूर होइत नज़र आबि रहल छथि । ओना एखुनका समय में सोशल साइट पर भाषायी चलन पर मैथिल युवा में भाषा के प्रति लगाब आस्ते-आस्ते बढ़त से आशा अछि। एहने समय मे युवा वर्ग के एकजुट करवाक लेल "मिथिला स्टूडेंट यूनियन" के निर्माण एकटा सार्थक सिद्ध भेल अछि।  एहि युवा आंदोलनी सब के देख मिथिलावासी के हिनका सब स किछु नव आशा बुझा रहल छन्हि। 

बेश चर्चा मे ई संस्था चीनी मिल आंदोलन स आयल। एहि संस्था के लोकप्रियता के देखैत विभिन्न शहर स युवक जुड़ी रहल अछि।  एहने मे बंगालक किछु युवक एहि संस्था स जुडी, बंगाल में एकरा विस्तार क रहल अछि। पूर्णतः युवा के संस्था होयबाक हेतु, बंगालक प्रवासी युवक सब बहुत रास जुडी गेला अछि।  एहि मे संस्थाक बंगाल यूनिट के अध्यक्ष विकास पाठक, महासचिव अजय कुमार झा एवं बंगाल संयोजक समिति के अध्यक्ष डा. मायाशंकर झा कएक मास स बंगालक विभिन्न जिला मे बैसार क मैथिल युवा के एकजुट करै में सफल सिद्ध भेलाह। 

संस्था के आरो मजगूत आ सक्षम करवाक हेतु 27 नवम्बर 2016 के हावड़ा जिला अन्तर्गत टिकियापारा स्टेशन लगीच "आदर्श विद्यामंदिर हाई स्कूल मे एकटा कार्यकर्ता सम्मलेन ओ मिलन समारोह के आयोजन क रहल अछि। कार्यक्रम संध्या 3 बजे स आयोजित अछि। जाहि मे अतिथि के रूप मे बंगालक धरती पर मिथिला के गौरव पार्षद श्रीमान कैलाश मिश्र उपस्थित रहताह।  

संस्था के महासचिव अजय कुमार झा जनतब देलनि जे एहि कार्यक्रम में बंगाल प्रवास मे रहि रहल मैथिल आ संस्था के लोक सब के हकार देल गेल अछि। उम्मीद अछि जे एहि पुनीत काज में युवा संग  बहुतो मैथिल उपस्थित हेताह।  कार्यक्रम के सफल बनाबै मे संस्थाक सब कार्यकर्ता जोड़-शोर स लागल छैथ। 

Post Top Ad